किसान सभक समस्या लेल माकपा देलन्हि धरना - मिथिला दैनिक

Breaking

गुरुवार, 29 दिसंबर 2016

किसान सभक समस्या लेल माकपा देलन्हि धरना

समस्तीपुर। 29 दिसम्बर। बिहार राज्य किसान सभा एवं बिहार प्रांतिय खेतिहर मजदूर युनियन अंचल कमेटी केर तत्वाधान मे प्रखंड कार्यालय परिसर मे 12 सूत्री मांग ल' माकपा कार्याकता सभ धरना देलन्हि। धरना क' संबोधित करैतकिसान काउंसिल के जिलाध्यक्ष गंगाधर झा एवं किसान नेता जयजयराम यादव कहलनि कि केन्द्र आर राज्य सरकार के तमाम लोक लुभावन वायदा एवं घोषणा सभक बावजूद मजदूर एवं किसान केर हालत मे कुनु  सुधार नहि देखार द' रहल अछि। 


धरना मे केंद्र एवं राज्य सरकार सँ किसान सभ द्वारा उपजाओल गेल फसल केर खरीदाररी लेल अविलंब क्रय केंद्र खोलबाक मांग, बंद परल राजकूप क' चालू ररबाक मांग, डीजल अनुदान मे धांधली बंद करबाक मांग, बीपीएल परिवार क' गैस एवं बिजली कनेक्शन शिविर लगा देबाक सहित12 सूत्री मांग शामिल छल। सभा क' व्यासनंदन राय, भोला राम, रामदुलार राम, रामप्रकाश राम आदि संबोधित केलन्हि।