पुरीख गाम मे भेल घटना केर विरोध मे सहरसा बंद - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 30 दिसंबर 2016

पुरीख गाम मे भेल घटना केर विरोध मे सहरसा बंद

सहरसा। 30 दिसम्बर। भाकपा माले व राष्ट्रीय खेतिहर ग्रामीण मजदूर संघ द्वारा पुरीख गांव मे महादलित दमन आर चानो राम केर हत्या के विरोध मे सहरसा बंद कराओल गेल। बंद के नेतृत्व भाकपा माले के राज्य नेता सह खेग्रामस के राष्ट्रीय सचिव कामरेड पंकज कुमार सिंह केलन्हि। 

एहि मौका पर ओ कहला कि पुरीख गाम बिहरा थाना अध्यक्ष व एससी-एसटी थानाध्यक्ष सहरसा के अपराधी माफिया केर पक्ष मे रहबाक कारण जनसंहार रचबाक कोशिश कायल गेल। भाजपा संरक्षित सामंतवादी भु माफिया द्वारा दमन व चानो राम केर हत्या कायल गेलन्हि। जिनका स्थानीय पुलिस प्रशासन केर सहयोग प्राप्त अछि। 

वक्ता सभ कहलन्हि कि हाल के दिन मे सहरसा सहित पूरा बिहार मे गरीब आर दलित सभक हत्या, उत्पीड़न, हमला व दमन केर घटना बढ़ी रहल अछि आर बिहार सरकार भाजपा के सामने घुटना टेक देना अछि। माले नेता सभ व खेग्रामस दोषी थानेदार केर विशेष टीमक गठन करि हमलावर व हत्यारा केर गिरफ्तारी केर मांग केलन्हि संगहि दलित आर गरीब सभक हित केर जमीनक वितरण व ओहिक अधिकार आर सुरक्षा के गारंटी माँगलन्हि। 

बंद के दौरान भाकपा माले के जिला सचिव कामरेड ललन यादव, विक्की राम, नईम आलम, जयनारायण यादव, रामचंद्र दास, कृष्ण मोहन उर्फ कुंदन यादव, आईसा नेता गणेश कुमार यादव, पप्पू यादव इनोस अध्यक्ष प्रभु यादव, संतोष राम, मनीष कुमार, चंदन कुमार चमन, कमल किशोर यादव, मजदूर नेता मुकेश यादव, विजेन्द्र यादव, ह्रदय राम, सुभाष मल्लिक, प्रमोद साह आदि मौजूद छलाह।