सहरसा : युवक गुरफान दस मीटर नमहर अजगर पकरलन्हि - मिथिला दैनिक

Breaking

सोमवार, 12 दिसंबर 2016

सहरसा : युवक गुरफान दस मीटर नमहर अजगर पकरलन्हि

सहरसा। 12 दिसम्बर। सहरसा जिला के सिमरी बख्तियारपुर अनुमंडल व बनमा ईटहरी प्रखंड के घोरदौड़ गाम मे लगभग 10 फीट लम्बा अजगर पाओल गेल। ओहि अजगर के गुफरान आलम नामक युवा पकड़ी अप्पन घर में राखने अछि। 

एहि अजगर के पकड़बाक संबंध मे बताओल जे रहल अछि कि सलखुआ अंचल के पुरैनी गाम मे बड़का नहर लग अजगर एक घर केर दीवार पर नजर आयल। अजगर के देखि लोग ओकरा मारबाक लेल दौड़लन्हि। एहि  दौरान लक्ष्मीनियां निवासी मो. गुफरान आलम अजगर केर जान बचबैत ओकरा सावधानी पूर्वक पकड़लन्हि आरघोड़दौर अप्पन ननिहाल ल' अएलन्हि। 

अजगर फिलहाल हुनके लग अछि आर वन विभाग के अधिकारि सभ के  सूचित क' देल गेल अछि। मो. गुरफान केर हिम्मत के चर्चा पूरा इलाका मे पसैर गेलन्हि। लोग सभक कहब छैन्ह कि कुनू भी तरहक सांप देखेते लोगक हालात खराब भ' जायत अछि।लेकिन युवक अजगर एहेन खतरनाक सांप क' पकैड़ एतेक देर धरी राखलन्हि इ हिम्मत के बात अछि।