जनता सभक जागरूकता से नीक सड़क बनत : कृष्ण कुमार ऋषि - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 30 दिसंबर 2016

जनता सभक जागरूकता से नीक सड़क बनत : कृष्ण कुमार ऋषि

पूर्णिया। 30 दिसम्बर। प्रखंड क्षेत्र के औराही चौक से गुलैला निहाल टोला धरी सड़क केर शिलान्यास स्थानीय विधायक कृष्ण कुमार ऋषि फीता काटी कएलन्हि। ई सड़क बनला सँ 4 पंचायत मुख्य सड़क सँ जुईड़ जायत। 

मौका पर स्थानीय विधायक कृष्ण कुमार ऋषि कहला कि ई सड़क जल्दे बैन क' तैयार भ' जायत। आब जनता केर जिम्मेवारी अछि कि ठेकेदार से नीक सँ नीक काज कोना करौता। जनता सभक जागरूकता से नीक सड़क बनत आर कुनु तरहक लापरवाही नहि होयत। आगा ओ कहल कि औराही बनमनखी दिवरा धनी पथ पर अगला माह काज शुरू भ' जायत। एहीसे मधेपुरा आर पूर्णिया जिला क' जोड़े बला सड़क बेहतर होयत। 

कार्यक्रम मे भाजपा प्रखंड अध्यक्ष मंटू कुमार दास, जोगेंद्र मंडल, संजय मंडल, मिथलेश यादव, मंटू पाठक, मंटू उरांव, पंचायत समिति मुक्तानंद मुक्त, मुखिया कन्तलाल ऋषि, आनंद चौधरी, कृष्ण देव पासवान, अजीत मंडल, मदन सिंह, महानंद पाठक, गोपाल कुमार सहित सैकड़ों कार्यकर्ता उपस्थित छलाह।