बिहार म' भारत बंद केँ मिलल - जुलल असर, कतो - कतो ट्रेन रोकल गेल - मिथिला दैनिक

Breaking

सोमवार, 28 नवंबर 2016

बिहार म' भारत बंद केँ मिलल - जुलल असर, कतो - कतो ट्रेन रोकल गेल

खगड़िया। 28 नवम्बर। केंद्र सरकार केँ नोटबंदी केर खिलाफ भारत बंद के  बिहार म' मिलल - जुलल असर देखार द' रहल अछि। वामपंथी दल आर भाकपा माले कार्यकर्ता सभ कतो - कतो ट्रेन आर बस क' रोकलन्हि। राजद आक्रोश मार्च निकाली बंद केर समर्थन केलन्हि ओतहि एहि बंदी क' जेडीयू  केर समर्थन नहि भेटल।

अपने क' बता दी कि वामपंथी दल आर भाकपा माले कार्यकर्ता पूरा देश म' नरेन्द्र मोदी केँ नोट बंदीक विरोध क' रहल छथिन। ऐहिक लेल आय 28 नवम्बर क' भारत बंद केर आह्वाहन कायल गेल अछि। 

आरा म' जन अधिकार पार्टी बंद केर समर्थन करैत लोकमान्य तिलक ट्रेन क' रोकलन्हि। ओतहि दोसर दिस खगड़िया म' व्यवसायि सभ नोटबंदी पर मोदी सरकार के फैसलाक समर्थन करैत बैनर टांगी बंद केँ विरोध केलन्हि।

फिलहाल एखन धरी कतहुँ सँ कुनु तरहक अप्रिय घटना केर खबैर नहीं आयल अछि। प्रशासन सेहो कुनुभि तरहक हिंसक गतिविधि या बंद समर्थक आर विरोधि सभक बीच टकराव रोकबाक लेल पूरा तैयारी केना अछि।