0

नई दिल्ली। 25 नवम्बर। नोटबंदी केँ कारण आम लोगक परेशानी केर  लेल आलोचना केर सामना क' रहल सरकार विभिन्न जनसेवा म' 500 टक्का केँ पुरनका नोटक इस्तेमाल केँ छूट कैल्ह 15 दिसंबर धरी बढ़ा देलन्हि। हालांकि 1000 टक्का केँ नोटक उपयोगिता पूरा तरहे बंद क' देलन्हि। चलन सँ बाहर भ' चुकल नोट आब बैंक काउंटर से सेहो नहि बदलल जे सकैत अछि।


केंद्र व राज्य सरकार, नगरपालिका व स्थानीय निकाय द्वारा संचालित स्कूल कॉलेज सभ म' प्रति छात्र 2000 टक्का तक केर फीसक भुगतान केर अनुमति देल गेल अछि।


आधिकारिक बयान केर मुताबिक़ आब प्रीपेड मोबाइल लेल 500 टक्का तक के रिचार्ज (टॉपअप) केर भुगतान कायल जे सकैत अछि। ओतहि उपभोक्ता सहकारी स्टोर सँ एकबारगी खरीद 5000 टक्का तक सेहो के सकैत छैथ। 


आब केवल बिजली आर पैनक मौजूदा व पुरनका बिल केर भुगतान कायल जे सकैत अछि, इ छूट सिर्फ व्यक्तिय आर घरेलू उपभोक्ता सभक लेल अछि। बयान म' कहल गेल अछि कि सरकार जाहि सेवा सभ म' पुरनका प्रतिबंधित नोट जमा करबाक छूट देना अछि ओहिमे म' सेहो सिर्फ 500 टक्का केँ पुरनका नोट उपयोग भ' सकैत अछि। यानी 1000 टक्का केँ नोट कतहुँ नहि चलत। 1000 टक्का केँ बैंक खाता म' जमा करा सकैत छी। 
 


एहि तरहे टोल नाका सभ पर 3 -15 दिसंबर तक टोल केर भुगतान 500 टक्का केँ पुरनका नोट म' कायल जे सकैत अछि। ओतहि विदेशी नागरिक प्रति सप्ताह 5000 टक्का तक केँ नकदी केर अदला बदली क' सकैत छैथ। ऐहिक लेल हुनकर पासपोर्ट म' जरूरी प्रविष्टि कायल जायत।


बयान म' कहल गेल अछि कि सरकार नोटबंदी केँ कारण सामना आइब रहल मुद्दा पर विचार क' रहल अछि। सरकार क' एहि बारे म' बहुत रास सुझाव सेहो भेटल अछि जाहि पर उचित विचार-विमर्श केँ बाद फैसला सेहो कायल जे रहल अछि। 

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035