केजरीवाल, चिदंबरम आर संजय निरुपम केर खिलाफ राजद्रोहक केस दर्ज - मिथिला दैनिक

Breaking

गुरुवार, 6 अक्तूबर 2016

केजरीवाल, चिदंबरम आर संजय निरुपम केर खिलाफ राजद्रोहक केस दर्ज

मुजफ्फरपुर। 06 अक्टूबर। दिल्ली के मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल, कांग्रेस नेता पी. चिदंबरम आर संजय निरुपम केर खिलाफ मुजफ्फरपुर केँ  जिला कोर्ट म' राजद्रोह केर मुकदमा दायर कराओल गेल अछि।

जगन्नाथ साह नाम के शख्स चीफ जुडिशल मैजिस्ट्रेट रामचंद्र प्रसाद केर  कोर्ट म' एहि तीनो नेताक खिलाफ केस दर्ज केना छैथ, ताहि पर 19 अक्टूबर क' सुनवाई होयत। बताओल जे रहल अछि कि शिकायतकर्ता एक नव पार्टी 'आप और हम' केर अध्यक्ष छैथ।

दरअसल, केजरीवाल, चिदंबरम आर निरुपम, इ तीनों नेतागण पीओके म' भारतीय सेना केर सर्जिकल स्ट्राइक पर सवाल उठबैत ओहि कार्रवाई के सबूत मांगने छलाह। जाहि ल' क'  देश भरी म' कड़ा प्रतिक्रिया व्यक्त कायल जे रहल अछि। ओहि संबंध म' हिनका सभक खिलाफ राजद्रोह केर  केस दर्ज कराओल गेल अछि।