ऐगलग्गी सँ लाखो केर संपत्ति जरी केँ राख - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 28 अक्तूबर 2016

ऐगलग्गी सँ लाखो केर संपत्ति जरी केँ राख

समस्तीपुर। 28 अक्टूबर। हसनपुर बाजार सँ सटल प्रखंड मुख्यालय लग  कैल्ह गुरूवार दिन सांझ म' मरांची उजागर पंचायत केर वार्ड नं0 11 म' ऐगलग्गी सँ तीन घर जरी केँ राख भ' गेल। एहि म' लाखो केर संपत्ति जड़बाक सूचना अछि। बताओल जे रहल अछि कि चलित्तर साह के फूस के घर सँ उथल आगि केर लपेट देखते - देखते कैको घर क' अप्पन चपेट म' ल' लेलनि। जाहि सँ घर म' राखल नगदी के अलावा आभूषण, अनाज संगे सभ समान पूरा तरहे जरी केँ राख भ' गेल। स्थानीय लोग सभक बहुत  प्रयास के बाद आगि पर काबू पाओल गेल।