बार बाला संग ठुमका लगबै बला थानेदार सहित तीन पुलिसकर्मी सस्पेंड - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 14 अक्तूबर 2016

बार बाला संग ठुमका लगबै बला थानेदार सहित तीन पुलिसकर्मी सस्पेंड

पटना। 14 अक्टूबर। भोजपुर केँ कोईलवर म' बार बाला सभक संग ठुमका  लगबै बला थानेदार संजय समेत तीन पुलिसकर्मि क' पटना केर जोनल आईजी सस्पेंड क' देलन्हि।

निलंबन केर पुष्टि करैत एडीजी लॉ एंड ऑर्डर सुनील कुमार कहला कि तीनों क' अमर्यादित तरिका सँ पेश अयबाक कारण निलंबित कायल गेलन्हि।

दरअसल, विजयदशमी केँ मौक़ा पर कोइलवर म' स्थानीय पूजा संगठन द्वारा एक सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन कायल गेल छल। एहि कार्यक्रम म' बार-बाला सभ खूब ठुमका लगेलीह। जाहि केँ एक वीडियो म' थानेदार आर पुलिसकर्मि सेहो ठुमका लगबैत आर नोट उड़बैत देखल गेल, जे वीडियो मीडिया म' वायरल भ' गेल। ऐहिक बाद ई करवाई भेल।