चाइनिज समान जड़ा क' ओकर बहिष्कार कायल गेल - मिथिला दैनिक

Breaking

मंगलवार, 18 अक्तूबर 2016

चाइनिज समान जड़ा क' ओकर बहिष्कार कायल गेल

दरभंगा। 18 अक्टूबर।  मानवाधिकार एवं सामाजिक न्याय आयोग दिस सँ कैल्ह सोमवार दिन शहर के कर्पूरी चौक पर चाईनिज सामान जड़ा क' ओकर बहिष्कार कायल गेल। मौका पर आयोग केँ प्रदेश सचिव रोहित कुमार सिंह कहला कि जे देश आतंकवाद क' बढ़ावा दैत अछि, ओहि देशक सामान केर बहिष्कार करबाक चाहि।

दिपावली होय या आन पर्व त्योहार चाईना सामान मार्केट म' तुरंत दबदवा कायम क' लैत अछि जाहि सँ देशक आर्थिक, श्रम व परंपरा तीनों केर नाश भ' जायत अछि। आगा ओ लोग सभ सँ अपील केलन्हि कि एहि बेर  दीवाली के अवसर पर बेसी सँ बेसी देश म' बनल सामान केर खरीददारी करि ताकि नै सिर्फ गरीब क' लाभ भेटा बल्कि अर्थ व्यवस्था सेहो मजबूत बने।