पटना आर सिकंदराबाद के बीच पूजा स्पेशल साप्ताहिक ट्रेन चलाओल जायत - मिथिला दैनिक

Breaking

बुधवार, 28 सितंबर 2016

पटना आर सिकंदराबाद के बीच पूजा स्पेशल साप्ताहिक ट्रेन चलाओल जायत

पटना। 28 सितंबर। दुर्गा पूजा केँ दौरान यात्रि सभक भारी भीड़ क' देखैत  रेलवे द्वारा पटना आर सिकंदराबाद के बीच 30 सितम्बर सँ 13 नवम्बर तक पूजा स्पेशल ट्रेन केर परिचालन कायल जायत। उपरोक्त जानकारी पूर्व मध्य रेलवे (पूमरे) केँ मुख्य जनसम्पर्क अधिकारी अरविंद रजक देलनि।

जनसम्पर्क अधिकारी अरविंद रजक कहला कि गाड़ी सं. 02793 सिकंदराबाद-पटना सुपरफास्ट स्पेशल ट्रेन सिकंदराबाद सँ 30 सितम्बर ,14.10.16, 21.10.16, 28.10.16, 04.11.16 आर 11.11.16 (सभ शुक्रवार दिन) क' 08.35 बजे खुली केँ अगला दिन शनिवार क' 4.10 बजे पटना पहुँचत।

वापसी म', गाड़ी सं. 02794 पटना-सिकंदराबाद सुपरफास्ट स्पेशल ट्रेन पटना सँ 02.10.16, 09.10.16, 16.10.16, 23.10.16 (सभ रविवार दिन) क' जखन कि  31.10.16 आर 08.11.16 क' क्रमश: सोमवार आर मंगलवार दिन फेर 13.11.16 (रविवार दिन) क' 12.45 बजे खुली केँ अगला दिन 10.20 मिनट रात्रि म' सिकंदराबाद पहुँचत।

इ स्पेशल ट्रेन पटना आर सिकंदराबाद के बीच अप एवं डाउन दिशा म' पटना, मुगलसराय, मिर्जापुर, छिवकी, मानिकपुर, इटारसी, नागपुर, बल्लारशाह, रामागुंडम एवं काजीपेट स्टेशनों पर रुकत। एहि स्पेशल ट्रेन म' टू एसी के एक कोच, थ्री एसी के दुइ कोच, स्लीपर क्लास के दस आर एसएलआर के दुइ कोच होयतl