पटना : हाई प्रोफाइल सेक्स रैकेट केँ खुलासा, व्हाट्स एप सेँ तय होयत छल सौदा - मिथिला दैनिक

Breaking

बुधवार, 31 अगस्त 2016

पटना : हाई प्रोफाइल सेक्स रैकेट केँ खुलासा, व्हाट्स एप सेँ तय होयत छल सौदा

पटना। 31 अगस्त। राजधानी पुलिस दुइ सेक्स रैकेट केँ पर्दाफाश केलनि जाहि मेँ दुनु रैकेट हाई प्रोफाइल बताओल जे रहल अछि, एहि सेक्स रैकेट म' लड़कि सभक सौदा व्हाट्स एप केर माध्यम सँ होयत छल। व्हाट्स एप केँ माध्यम सँ ग्राहक सभ केँ पहिने लड़कि सभक फोटो भेजल जायत छल पसंद भेला पर पाई तय होयत छल।

सौदा तय भेलाक बाद ग्राहक केँ फोन करि बजाओल जायत छल। ई खुलासा ओय समय भेल, जखन पुलिस कंकड़बाग थाना के पूर्वी इंदिरा नगर रोड नंबर एक म' अरविंद कुमार के मकान म' छापामारी केलनि। छापामारी के दौरान ग्राहक व व्यवसायी रंजीत कुमार (देवीचक, फतुहा) क' अापत्तिजनक स्थिति म' पकरल गेल आर एक युवती क' मुक्त कराओल गेल। पुलिस छापामारी के दौरान संचालिका रेणु देवी (रूडी, छतवनी, मोतिहारी) क' सेहो गिरफ्तार केलनि।

बताओल जे रहल अछि कि एक ग्राहक सेँ दुइ सँ तीन हजार टक्का लेल जायत छल, जाहि मेँ 500 टक्का युवती क' देलाक बाद बचल पाई संचालिका रेणु देवी खुद राखैत छली। मुक्त कराओल गेल युवती कोलकाता  केँ छथि। युवती क' नौकरी दियेबाक नाम पर बहला-फुसला केँ आनल गेल छल।