पटना : 2 सितम्बर दिन हड़ताल पर रहत ऑटो रिक्शा चालक - मिथिला दैनिक

Breaking

मंगलवार, 30 अगस्त 2016

पटना : 2 सितम्बर दिन हड़ताल पर रहत ऑटो रिक्शा चालक

पटना। 30 अगस्त। राजधानी पटना म' पथ परिवहन आर सुरक्षा विधेयक 2015 केर खिलाफ 2 सितम्बर दिन राजधानी केँ ऑटो रिक्शा चालक हड़ताल पर रहता। एक्टू सहित सभ केन्द्रीय ट्रेड यूनियन सभक आह्वान पर ऑटो रिक्शा सहित तमाम व्यावसायिक एवं निजी वाहन क'  हड़ताल पर रहबाक घोषणा कायल गेल अछि।

बिहार राज्य ऑटो रिक्शा चालक संघ केँ महामंत्री मुर्तजा अली, उपाध्यक्ष नवीन मिश्रा, पटना ऑटो रिक्शा चालक संघ केँ महामंत्री नवकांत झा, पटना जिला महिला-पुरूष ऑटो रिक्शा चालक संघ केँ अध्यक्ष सरिता देवी, जगरनाथ झा आर बिहार राज्य बिक्रम मिनीडोर चालक एवं मालिक एसोसिएशन केँ अध्यक्ष चन्द्रभूषण श्रीवास्तव सेहो हड़ताल केर समर्थन कएलनि।