दलित युवा संग अमानवीय व्यवहार, पिलाओल गेल पेशाब - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 22 जुलाई 2016

दलित युवा संग अमानवीय व्यवहार, पिलाओल गेल पेशाब

मुजफ्फरपुर। 22 जुलाई। दलित युवा सभक संग माइर् - पिट आर अमानवीय व्यवहार करबाक मामला सामना आयल अछि। घटना मुजफ्फरपुरक पारू के अछि, जाहिठाम बाबू टोला मेँ महायज्ञ देखा लेल आयल दुई दलित युवा के संग बेरहमी सँ माइर् - पिट केलाक बाद दबंग सभ द्वारा मुंह मेँ पेशाब कायल गेल अछि।

दुनु पीड़ित रिश्ता मेँ बहनोई - सार बताओल जे रहल अछि। दुनु क' मोटर साईकिल चोरी केर आरोप में बेरहमी सँ पीटल गेल। एहि केर विरुद्ध पुलिस म' शिकायत कायल गेल अछि। मामला मेँ मुखिया के पति समेंत 11 लोग  क' आरोपित कायल गेल अछि। आरोपी पीड़ित युवक पारू चौधरी टोला गाम निवासी कृष्णा पासवान के बेटा राजीव कुमार पासवान आर ओकर ममेरा बहनोई सदर थाना हाजीपुर केर दोबहटी गाम निवासी मुन्ना पासवान छथ।

पीड़ित राजीव कुमार पासवान केर माई सुनीता देवी थाना म' लिखित आवेदन देना छथिन। सुनीता देवी केर मुताबिक हुनकर बेटा राजीव कुमार अप्पन ममेरा बहनोई संग बाबू टोला मेँ यज्ञ देखबाक लेल गेल छलाह।  एहि बीच मोटर साईकिल चोरी केर आरोप लगबैत बाबू टोला केँ मुकेश ठाकुर उर्फ मुकुल ठाकुर, सुमन ठाकुर, रोशन ठाकुर समेत दस लोग द्वारा  बेरहमी सँ पीटल गेल संगहि मुकेश ठाकुर मुंह मेँ पेशाब करवेलनि।