नेपाल म' भारी बारिश सँ बागमती - गंडक उफनायल, सौ से बेसी गाम म' दहशत - मिथिला दैनिक

Breaking

शनिवार, 18 जून 2016

नेपाल म' भारी बारिश सँ बागमती - गंडक उफनायल, सौ से बेसी गाम म' दहशत

मुजफ्फरपुर। 18 जून। नेपाल म' भारी बारिश सँ बागमती, गंडक व बूढ़ी गंडक नदी केर जलस्तर तेजी सँ बढ़ी रहल अछि। कैलह शुक्रवार दिन औराई के कटौझा म' बागमती नदीक पैन लाल निशान सँ 1.08 मीटर ऊपर पहुंच जेल अछि। एहि सँ औराई प्रखंड म' दुई चचरी पुल बही गेल अछि। एहि भारी बारिश सँ ढ़ाई लाख स' बेसी केर आबादी प्रभावित भेल अछि।

-कटरा के बसघट्टा म' डायवर्सन पर अत्यधिक पैन चढला सँ दुनु प्रखंड केर ढाई लाख सँ बेसी केर आवादी प्रभावित भेल अछि।

- बागमती नदी म' तेजी सँ बढ़ैत जलस्तर के कारण औराई, कटरा व गायघाट प्रखंड केर सौ से बेसी गाम में दहशत केर माहौल बनल अछि।

- बागमती तटबंध के भीतर बसल  अौराई आर  कटरा प्रखंड के तीन दर्जन गाम चारों दिस पैन सँ घेरा गेल अछि।

- हालात के देखैत जल संसाधन विभाग केर मुख्य अभियंता सभ अभियंता क' अलर्ट जारी करैत तटबं पर विशेष चौकसी बढ़ेबाक आदेश देना छैथ।

- पिछला 24 घंटा म' नेपाल केर जनकपुर म' सर्वाधिक 49.4 मिमी, सिमरा म' 33.8 आर पोखरा म' 21.8 मिमी बारिश भेला सँ बागमती, गंडक, बूढ़ी गंडक आर कमला नदी के जलस्तर म' वृद्धि भ' रहल अछि।