मधुबनी: कैको मामला में फरार शातिर अपराधी भीम यादव पांच साथी संग गिरफ्तार, हथियार बरामद - मिथिला दैनिक

Breaking

सोमवार, 27 जून 2016

मधुबनी: कैको मामला में फरार शातिर अपराधी भीम यादव पांच साथी संग गिरफ्तार, हथियार बरामद

मधुबनी। 27 जून। मधुबनी पुलिस क' कैलह बड़का सफलता हाथ लागल अछि। कैलह पुलिस द्वारा हत्या, लूट आर  अपहरण जेहेन  संगीन मामला के आरोपी भीम यादव क' हुनकर पांच साथिक  संग गिरफ्तार कायल गेल अछि।

जानकारी के अनुसार पुलिस क' भीम यादव के बहुत दिन सँ तलाश रहे। कैलह रवि दिन भीम यादव अप्पन पांच साथि संग चार पहिया गाड़ी से कुनु वारदात क' अंजाम देबाक लेल जाय घरी पकरायल गेलाह। पुलिस  भीम आर हुनकर पांच साथि के टोल प्लाजा मनीगाछी के पास सँ गुप्त सूचना के आधार पर गिरफ्तार केलनि।

गिरफ्तार आरोपि सभक पास सँ पुलिस पिस्तौल, 7 जिंदा कारतूस, 3 मैगजीन, 8  मोबाईल हैंडसेट, 12540 टक्का  नगद आर 1 सफारी गाड़ी बरामद केना अछि।

पुलिस सँ पता चलल की  भीम यादव मधेपुर क्षेत्र के बीरपुरक रहिवासी छैथ, जिनका पर हत्या, डकैती आर लूट जेहेन संगीन मामला दर्ज अछि। एकर अलावा भीम यादव कैको बेर जेलो जे चुकल अछि। अपने के बता दी भीम यादव के भाई आर पिता सेहो एखन जेल म' बंद अछि।

एसपी मो. अख्तर हुसैन द्वारा पता चलल की भीम यादव के गिरफ्तारी के लेल डीएसपी झंझारपुर समेत 5 थाना के  टीम गठित कायल गेल छल। जहि के सफलता स्वरुप हिनका सभ के टोल प्लाजा के पास सँ गिरफ्तार कायल गेल।