सहरसा - दानापुर रात्रिकालिन ट्रेन 22 जून सँ चलत - मिथिला दैनिक

Breaking

सोमवार, 20 जून 2016

सहरसा - दानापुर रात्रिकालिन ट्रेन 22 जून सँ चलत

सहरसा। 20 जून। सहरसा सँ दानापुर के लेल रात्रिकालिन ट्रेन केर परिचालन 22 जून सँ शुरू भ' जायत। ई ट्रेन दीघा ब्रिज के रास्ते पाटलिपुत्र होयत दानापुर तक जायत। पूर्व-मध्य रेल के सीपीआरओ अरविंद कुमार रजक जी कहला  कि सहरसा सँ इ ट्रेन राति के 11.35 बजे खुलत आर भोरे 5.40 बजे दानापुर पहुंचत। वापसी म' दानापुर सँ इ ट्रेन भोर 9.25 बजे खुलत आर साँझ म' 6.15 बजे सहरसा पहुँचत। एकर अलावा पूर्णिया कोर्ट सँ रांची के बीच चलाई बला  कोसी एक्सप्रेस आर कटिहार-जयनगर के बीच चलाई बला जानकी एक्सप्रेस केर मार्ग विस्तार सेहो कायल जायत। अनुमान अछि इ दुनु ट्रेन वाया सहरसा चलाओल जायत। 22 जून दिन नई दिल्ली स्थित रेल भवन सँ  रेलमंत्री सुरेश प्रभु सहरसा-दानापुर एक्सप्रेस के वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग के द्वारा हरी झंडी देखेता। सहरसा म' सेहो एहि लेल समारोह होयत, जाहि में मधेपुरा के सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव ट्रेन क' हरी झंडी देखेता।