अईंखक कोन दोख,
जे अहाँक सुन्दरता नई देखलक,
ओ त देखै टा मात्र छै,
बुझै नई छै,
बिम्ब आ प्रतिबिम्बक,
बिच फंसल मात्र एकटा पराबर्तक छै,
दोस त ह्रदय के छै,
जे भावना शुन्य छै,
तैं अहाँक सुन्दरताक झीलों में,
मरुभुमिक दग्धातक देखै छै,
ओना जे आन्हरो छैथ,
से कल्पनाक ब्रश स,
सुन्दरताक सृजन हृदयक भाव स करैत छैथ,
मुदा !
जे भाव विहीन छैथ,
अईंख रहितो,
बिम्ब-प्रतिबिम्ब में ओझराइल रहैत छैथ,
अई में हुनको कोनो दोख नई,
जे भाव विहीन छैथ,
यन्त्र बनी बरद जँका,
जीवनक दाउन में लागल छैथ,
हुनका त आभासों नई छैन,
कि अहू स बिशेष किछ छैई,
मुद्रा-मतलबक डोरी में बन्हैल,
सुखैल बासि खैक आदि,
स्वक्षताक रस स दूर,
जीवनक मकरजाल में,
sundar bhavpravan kavita
जवाब देंहटाएंnice kavita..........encompassed the whole meaning of internal sight
जवाब देंहटाएंvery nice kavita.....encompassed the whole meaning of internal sight.........sumit jha
जवाब देंहटाएंएक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।