नभमंडल के असंख्य ताराक मध्य चमकैत चान समान,
सब सॅ सुन्दर अछि जगत में हमर मिथिलाधाम ।
जकरा उत्तर गिरिराज हिमालय छथि स्वयं विराजै
कमला-कोशीक निर्मल धारा जकर चरण पखारै ।
जत$ भेटए मुख पानक लाली संग मधुर मुस्कान

छप्पन व्यंजन मध्य जतए सर्वोपरि अछि तिलकोर
स्वर्गो में नहि भेटए अपन मिथिलाक “माछक झोर” ।
स्वागत में प्रस्तुत होइछ जतए जोड़ा खिल्ली पान

सरस भूमि आ लोक सरस, भोजन दही-चूड़ा
इ भोजन नै भेटए स्वर्गो में, नै भेटए माछक मूड़ा ।
जतए अछि वाचस्पति, विद्यापति आ विदेह केर गाम,

भाषा मधुर, भोजन मधुर, मधुर अछि विधि-व्यवहार
चौठचन्द्र, मधुश्रावणी, कोजागरा सन अछि पाबनि-तिहार ।
डेग-डेग पर पोखरि भेटए, भेटए माछ-मखान

जखन कोजागरा में अबैत अछि पान-मखानक भार
पूर्ण इजोरिया में पुरैछ लोक सौसे गाम हकार ।
इ संसार जनैत अछि हमरा, हम छी कौटिल्यक संतान

विद्वानक इ धरती से के नै बुझैत अछि
प्रतिभाक कमी नै से दुनियॉं जनैत अछि ।
मंडनक विद्वता सुनि एला “शंकर” सन विप्र सुजान

सीता, अहिल्या बहिन छथि हम्मर
पतंजलि जनमला एही धरती पर ।
सौन्दर्य, सौम्यता देखि जतुका लोभेला स्वयं श्रीराम

मॉ मिथिला के कोरा में सरिपहुँ हम अतिशय सुख पाबी
मॉं मिथिला के चरण वंदना हम अहर्निश गाबी ।
पुनि-पुनि जनमी एही धरती पर, इएह विनती हे घनश्याम

neek geet
जवाब देंहटाएंएक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।