रंग रंगीली मैथिल होली ....अमेरिका मे!!!!

ग्यारह बरख पहिने हम सब अप्पन देश छोइड अमेरिका ऐलों खान - पान , रहन - सहन , भाशा , कपडा स ....तीज त्यौहार सब कीछ बीदेशी जकां लागे । हमरा मोंन ऐछ हमर पहिल होली अमेरिका के .....जे कनैत बीतल छल , कियो छुट्टी नै लेइत छल .... होली में , कियो नब कपडा नै किनत ....कियो मालपुआ नै बनावतआ , कियो रंग नै लागैत , त केहन होली ...हम सब मनैब ???

ओही दिन स सोच्लौं की होल़ी जरूर मानायेब ....मालपुआ..... जरूर खायब .....आ रंग जरूर लगाएब .... एतेक नीक स होली मनायेब की , हम मिथिला वासी सब मिसाल बैन जैब कोनो प्रवासी लेल !!!!

पहिल बरख हम सभ परिवार मिल क होली मनेलौं ......सभ साल नब नाम होइत ऐछ होली के ....नब मेनू , नब कपडा .....आ नब मैथिल परिवार ।
एही बेर १० बरख भा रहल ऐछ ,आ एही होली के नाम ऐछ ......
रंग रंगीली मैथिल होली ......
अहाँ सभके अपडेट करैत रहब ....अप्पन रंगारंग कार्यक्रम के ,


३५ मैथिल परिवार , ८ राज्य सा मिश्र मिश्रछैथ । गान , बजान , खान पान के संगे मैथिल मिलन , ड्रेस प्रतियोगिता , छोट पैघ बच्चा सभक उत्सुकता और हमर सबहक संस्कृति और व्यवहारक जानकारी ....इ उद्देश्य रहैत ऐछ ,

रंग रंगीली मैथिल होली के ......
अहाँ सभ के होली के शुभकामना आ बहुत बहुत बधाई ......अमेरिका के रंग रंगीली मैथिल होली के परिवार दिस ....स !!!!

विद्या मिश्र






2 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. बड़ निक लागल अहाँक ई शब्द पढ़ी के, जे अमेरिका में रहितो आई दस बरख से मैथिल बैन अप्पन संस्कार के नहीं बिसरलो |
    जय मैथिल जय मिथिला

    जवाब देंहटाएं
  2. विद्याजी "मैथिल आर मिथिला" ब्लॉग परिवारक करफसँ अपनेकs होलिक हार्दिक शुभकामना....

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने