जानकी! कतए छी? आउ नैहर

जानकी! कतए छी? आउ नैहर.

देखू ने धिया पुता सब पैघ भय गेल.



किछ तऽ नेतो बनल अछि.

पैघ कुर्सी पर चढ़ल अछि.

वचन दऽ कय जाए कोना

दृग आ मुंह मोरि लेने अछि.

जानकी! कतए छी? आउ नैहर.

आउ बुझबियौक ओकरो कने

कोना राम राज्य चलै छल.



एक टा तऽ वैद्य भय गेल

नाम ओकर देश विदेश भेल

नहि मुदा देखा पड़ैत ओकरा

दीन हीन पीड़ित सहोदर

जे व्याधि से मूडी फोरी रहल अछि.

जानकी! कतए छी? आउ नैहर.

आउ कने ओकरो बुझबियौक

सहोदर कोना व्यवहार करै अछि.



जानकी! कतए छी? आउ नैहर.

देखू ने धिया पुता सब पैघ भय गेल.



बाढ़ि तऽ सभ साल अबै अछि

दहा जायेत अछि माल जाल

बहि जाए नेना बच्चा, बूढ़ माए बाप

गाम उजड़ि जाए जेना विधवाक मांग

जानकी! कतए छी? आउ नैहर.

आउ कने हिनको बुझबियौक

बहई अछि जे गाम से कमला, कोशी, बलान.



जानकी! कतए छी? आउ नैहर.

देखू ने धिया पुता सब पैघ भय गेल.

पर नहि देखा पड़ैत छैक

पीड़ अहि देह केर

नोचि नोचि कय खाए गेल

सभ अहांक बचल खुचल नाम.

अहांक बचल खुचल नाम.



जानकी! कतए छी? आउ नैहर.

देखू ने धिया पुता सब पैघ भय गेल।



-x-



मिथिला के ई हाल कियैक सेहो ने पूछल जाए

जिनक नाम लैत लैत ककरो जीह ने भोथराए.



बजाय रहल छी जानकी के स्वयं, ई संदेशक प्रेषण लेल

हे नेना हउ, हे बुच्ची यै, आब करू काज समाजक लेल



अपने आबि कहि देथुन्ह आब, जे हे नैहरक जीव!

कहिया तक नाम बेचि के पड़ल रहब निर्जीव.



उठू ठार होऊ, करू उद्यम स्वयं, अपन विकासक लेल

नहीं ताकय पड़त फेर ककरो दिस अपन समाजक लेल



हँ कोना एती, कियैक एती, ओ नैहर आब

सासुर जरैत रामक नाम से, नैहर अछि बेहाल



की यैह कहऽ सूनऽ लेल अउती जनक कुमारी

देखि कहीं ने समा जाईथ ओ फेर धरती में बेचारी.

10 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. कौतुक रमण जी। जानकीक आराधनाक बहन्ने अहाँक कविता मिथिलाक बहुत रास समस्याक वर्णन करैत अछि।

    बड्ड नीक लागल। अहाँसँ एहि तरहक आर कविताक आसमे।

    जवाब देंहटाएं
  2. सासुर जरैत रामक नाम से, नैहर अछि बेहाल की यैह कहऽ सूनऽ लेल अउती जनक कुमारी
    देखि कहीं ने समा जाईथ ओ फेर धरती में बेचारी.

    kavitak an bad nik

    जवाब देंहटाएं
  3. svagat achhi kautuk ramanji,
    ahank pahil kavita aas jagelak je aar nav nav kavita padhbak avsar bhetat

    जवाब देंहटाएं
  4. दहा जायेत अछि माल जाल
    बहि जाए नेना बच्चा, बूढ़ माए बाप
    गाम उजड़ि जाए जेना विधवाक मांग
    जानकी! कतए छी? आउ नैहर.
    आउ कने हिनको बुझबियौक
    बहई अछि जे गाम से कमला, कोशी, बलान. जानकी! कतए छी? आउ नैहर.

    ati sundar

    जवाब देंहटाएं
  5. नोचि नोचि कय खाए गेल
    सभ अहांक बचल खुचल नाम.

    yaih bhay rahal achhi

    जवाब देंहटाएं
  6. 1.किछ तऽ नेतो बनल
    2.बाढ़ि तऽ सभ साल अबै अछि
    दहा जायेत अछि माल जाल
    कोना एती, कियैक एती, ओ नैहर आब

    puran bimb aa nav kathyak nik sammilan

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने