13
ई चुटकुला मुसाय बाबाक सन्दर्भसँ लेल गेल अछि ! ओना तs बाबाक समाजक प्रति अनेको उपकार छन्हि ताहिमे एक - दोसराक प्रति परोपकार सेहो बही - खातामे लिखल गेल छनि ! मुसाय बाबाक १ अगस्त २००३ कs देहवासन भs गेलन्हि मुदा हुनकर कृति एखनो धरी समाजमे व्याप्त अछि ! बाबाकेँ धन - सम्पति अपार छलनि ताहिसँ समाजमे मान-मर्जादा बहुत निक भेटैत छलनि ! दस बीस कोससँ लोक सभ मुसाय बाबासँ सुईद (व्याज) पर पाई लैक लेल आबैत छल ! कतेको ठिकेदार कतेको महाजन सभ हुनक दालानपर बैसल रहैत छलनि !



एक बेर मुसहरबा भाइ सेहो अपन विवाहक लेल मुसाय बाबासँ बीस (२०)गो टका लेने छल ! मुसहरबा भाइ बाबाक खास नोकर छलाह तs ओकरा मुसाय बाबा कहलखिन हे मुसहरबा भाइ हम जे तोरा २०गो टका देलियो से हमरा कहिया देबह? मुसहरबा भाइ बाबासँ कहलकनि जे मालिक हम तँ बीस गो टका सुईद (व्याजक) साथ दऽ देने छी ! अहि बातपर दुनू आदमीकेँ आपसमे बहस चलय लगलनि, बहुत हद तक झगड़ा आगू बढ़ि गेल !
ताबे मे किम्हरोसँ कारी बाबु एलथि. कहलखिन- " यौ। अहाँ दुनू आदमीक आपसमे किएक झगड़ा भs रहल अछि "!

मुसाय बाबा सभ बात कारी बाबुकेँ कहलखिन आर मुसहरबा भाइ सेहो सभ बात कारी बाबुकेँ सुनेलखिन्ह ! तखन कारी बाबु कहलखिन- " हे मुसहरबा भाइ । अहाँ हिनका कखन - कखन आर कोना पाइ देलियनि से हमरा कहू ........




मुसहरबा भाइ बजलाह - " सुनू कारी बाबु, आ मुसाय बाबू अहूँ ध्यान राखब हमर कतय गलती अछि ?



हमरा लग अपनेक टका छल बीस (२०)

आहाँ आँखी गुरारीकेँ तकलहुँ हमरा दिस

एक टका तखने देलहुँ .........



टका बचल उनैस (१९)

अहाँ कहलहुँ अही ठाम बैस

एक टका तखने देलहुँ ......



टका बचल अठारह (१८)

आहाँ लागलहुँ हमरा जोर सँ धखारह

एक टका तखने देलहुँ ......



टका बचल सतरह (१७)

आहाँ लागलहुँ हमरा जखन तखन तंग करह

एक टका तखने देलहुँ .....



टका बचल सोलह (१६)

आहाँ लागलहुँ हमर पोल खोलह

एक टका तखने देलहुँ .....



टका बचल पंद्रह (१५)

आहाँ लागलहुँ हमरा टांग गरैरकऽ पकरह

एक टका तखने देलहुँ .....



टका बचल चौदह (१४)

आहाँ लागलहुँ हमरा घर पर पहुँचह

एक टका तखने देलहुँ .....



टका बचल तेरह (१३)

आहाँ लागलहुँ हमर रस्ता घेरह

एक टका तखने देलहुँ .....



टका बचल बारह (१२)

आहाँ लागलहुँ हमरा लाठीसँ मारह

एक टका तखने देलहुँ .....



टका बचल एगारह (११)

आहाँ लागलो हमर कुर्ता फारह

एक टका तखने देलहुँ ......



टका बचल दस (१०)

अहाँ कहलहुँ हमरा जमीन पर बस

एक टका तखने देलहुँ ......



टका बचल नौउह (९)

आहाँ कहलहुँ हमरा ओहिठाम नोकर बनिरह

एक टका तखने देलहुँ .....



टका बचल आठ (८)

आहाँ घोरैत छलहुँ खाट

एक टका तखने देलहुँ ....



टका बचल सात (७)

आहाँ खाइत छलहुँ नून भात

एक टका तखने देलहुँ .....



टका बचल छः (६)

आहाँ उपारैत छलहुँ जौ

एक टका तखने देलहुँ ....



टका बचल पॉँच (५)

आहाँ देखैत छलहुँ चौकी तोर नाच

एक टका तखने देलहुँ......



टका बचल चारि (४)

आहाँक सभ भाई मे बाझल मारि

एक टका तखने देलहुँ .....



टका बचल तीन (३)

आहाँ सभ भाई भेलहुँ भीन

एक टका तखने देलहुँ .....



टका बचल दू (२)

आहाँ कहलहुँ महादेवक पिड़ी छू

एक टका तखने देलहुँ ......



टका बचल एक (१)

आहाँ के बाबूजीक बरखी मे दक्षिणा देल

एक टका तखने देलहुँ ......



बाँकी के बचल सुईद आर व्याज ओहिमे देलहुँ ढाई मोन प्याज ॥"
जय मैथिली, जय मिथिला

मदन कुमार ठाकुर, कोठिया पट्टीटोला, झंझारपुर (मधुबनी) बिहार - ८४७४०४, मोबाईल +919312460150 , ईमेल - madanjagdamba@rediffmail.com

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

  1. बहुत दिनपर अएलहुँ मदनजी मुदा अपन धुरझार लेखनीसँ झुमा देलहुँ।

    उत्तर देंहटाएं
  2. madanji, etek din par elahu, muda etek nik rachna la kay se sabh ta deri maph achi, pichla ber je ek gote sajjan poorvagrahgrast bhay tippani kayne rahathi taahi dvare te ee vilamb nahi bhel, muda jitu bhaiyak javabak bad ehi blog par tippani nahi karabak bat kahi gelah. se nik rahal muda sajjan aadati se lachar chhathi, se nam badali kay ebe ta kartah aa rachna dekhi tarhatti par angor rakhbak ehsas se pajrait rahtah,
    muda ahan jaldi-jaldi post karait rahu nahi te shadyantrakari sabh apan uddeshya me saphal bha jetah.

    diyabatik shubhkamna, samast mithilaaurmaithil parivar ke.

    उत्तर देंहटाएं
  3. हमरा लग अपनेक टका छल बीस (२०)
    आहाँ आँखी गुरारीकेँ तकलहुँ हमरा दिस
    एक टका तखने देलहुँ .........

    टका बचल उनैस (१९)
    अहाँ कहलहुँ अही ठाम बैस
    एक टका तखने देलहुँ ......

    टका बचल अठारह (१८)
    आहाँ लागलहुँ हमरा जोर सँ धखारह
    एक टका तखने देलहुँ ......

    टका बचल सतरह (१७)
    आहाँ लागलहुँ हमरा जखन तखन तंग करह
    एक टका तखने देलहुँ .....

    टका बचल सोलह (१६)
    आहाँ लागलहुँ हमर पोल खोलह
    एक टका तखने देलहुँ .....

    टका बचल पंद्रह (१५)
    आहाँ लागलहुँ हमरा टांग गरैरकऽ पकरह
    एक टका तखने देलहुँ .....

    टका बचल चौदह (१४)
    आहाँ लागलहुँ हमरा घर पर पहुँचह
    एक टका तखने देलहुँ .....

    टका बचल तेरह (१३)
    आहाँ लागलहुँ हमर रस्ता घेरह
    एक टका तखने देलहुँ .....

    टका बचल बारह (१२)
    आहाँ लागलहुँ हमरा लाठीसँ मारह
    एक टका तखने देलहुँ .....

    टका बचल एगारह (११)
    आहाँ लागलो हमर कुर्ता फारह
    एक टका तखने देलहुँ ......

    टका बचल दस (१०)
    अहाँ कहलहुँ हमरा जमीन पर बस
    एक टका तखने देलहुँ ......

    टका बचल नौउह (९)
    आहाँ कहलहुँ हमरा ओहिठाम नोकर बनिरह
    एक टका तखने देलहुँ .....

    टका बचल आठ (८)
    आहाँ घोरैत छलहुँ खाट
    एक टका तखने देलहुँ ....

    टका बचल सात (७)
    आहाँ खाइत छलहुँ नून भात
    एक टका तखने देलहुँ .....

    टका बचल छः (६)
    आहाँ उपारैत छलहुँ जौ
    एक टका तखने देलहुँ ....

    टका बचल पॉँच (५)
    आहाँ देखैत छलहुँ चौकी तोर नाच
    एक टका तखने देलहुँ......

    टका बचल चारि (४)
    आहाँक सभ भाई मे बाझल मारि
    एक टका तखने देलहुँ .....

    टका बचल तीन (३)
    आहाँ सभ भाई भेलहुँ भीन
    एक टका तखने देलहुँ .....

    टका बचल दू (२)
    आहाँ कहलहुँ महादेवक पिड़ी छू
    एक टका तखने देलहुँ ......

    टका बचल एक (१)
    आहाँ के बाबूजीक बरखी मे दक्षिणा देल
    एक टका तखने देलहुँ ......
    bad nik

    उत्तर देंहटाएं
  4. katay nukayal chhalah etek nik rachna lay ke madanji, jaldi-jaldi aar rachna post karoo.

    उत्तर देंहटाएं
  5. मदनजी अपनेक रचनाक सभ मिथिला बंधूगन कs बेसब्री सँ इंतजार रहैत छैन संग - संग हमरो, उम्मीद अछि अपनेक अगला रचना हमरा जल्दिये प्राप्त हेत ........

    उत्तर देंहटाएं
  6. Madan babu aha ke kavita padhi ke atek gudgudi lagal jakra sabd me barnan kenay sambhabh nahi. dhanyabad

    उत्तर देंहटाएं
  7. अहाँ लग ते लोक कथा/ गीतक भंडार बुझना जाइत अछि, मोन पारि कए जे एहिना हमरा लोकनिक लेल अनैत रहब ते बड्ड उपकार होयत मदन जी।
    ई रचना अपन माटि-पानिसँ जुड़ल एकटा उत्कृष्ट रचना अछि।

    उत्तर देंहटाएं
  8. ee blog samanya aa gambhir dunu tarahak pathakak lel achhi, maithilik bahut paigh seva ahan lokani kay rahal chhi, takar jatek charchaa hoy se kam achhi.

    dr palan jha

    उत्तर देंहटाएं
  9. अपने लोकनिक कोटि कोटि धन्यवाद अहिना लेखकगन केs प्रोत्साहित करेत रहब ......

    उत्तर देंहटाएं
  10. मदन जी बहुत निक चुटकुला अछी अहिना लिखैत रहु और मिथिला के पाठक गन के खुशि केने रहु आ अपन नाम रोशन करैत रहु
    जय मैथिल जय मिथिला

    उत्तर देंहटाएं
  11. बहुत - बहुत धन्यवाद पाठक गन के जे ओ अपन किमती व्क्त हमर रचना में देलैन , हम अपनेक सबक के अभारी छी -----
    जय मैथिल जय मिथिला

    उत्तर देंहटाएं
  12. मदन जी ई चुटकुला हम गाम में आहा के मुख से कईक बेर स्टेज पर शुनने छि , आय बहुत ख़ुशी भेल जे आहा के रचना मैथिल और मिथिला में सेहो प्रकाशित अछि -----
    हरेक्रष्ण झा (पट्टीटोल ) झंझारपुर

    उत्तर देंहटाएं

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035