मानवता भेल शर्मसार


 
लखीसराय में गुरुवार केँ भेल  एक घटना में मानवता केँ शर्मसार क देलक । टिशन पर बिलैख रहल दंपती अपन बेटी केँ लहास लs भेटैक रहल छल ।  मीडियाकर्मी सबहक नजैर पड़ल  तहन , प्रशासनिक पदाधिकारी केँ सूचना देँ कs  लहास वाहनक व्यवस्था कराओल गेल। ओहिके बाद ओ बेटिकेँ लहास लs कs घर गेलैथ।
बेगूसराय जिलाक हुसैना दियारा गांवक हरेराम शर्मा व राजधानी देवीक बेटि अनीता देवी (40 बरखक) जे बहुत मास सs पीलिया रोग सs पीड़ित छली। टाउन थाना क्षेत्रक बिहरौरा गांवक ऐगो तांत्रिक केर ओतैए झाड़ फूंकक चक्कर में पैड़ गेल छलैथ। एक मास सs उचित इलाज नञि भेटबाक चलते गुरुदिन केँ बेटी केर हालत बिगैड़ गेल तँ तांत्रिक सेहो ठीक करबाक सs मना क देने छल।
बीमार बेटी केँ ल क माँ बाप वापस घर आइब रहल छल कि एही दौरान बस में अनीता केँ मृत्यु भँ गेल।सुचना भेटला पर एसडीएम मुरली प्रसाद सिंह आओर डीपीएम खालिद हुसैन मदद केलैथ, जाहि सs किछु घंटा बाद लहासक गाड़ी सs  लखीसराय टिशन पहुंचल आओर पीड़ित माँ-बाबू लहास केँ ल क बेगूसराय केँ लेल रवाना कैल गेल।
#अमानवीय व्यवहार # लाशक संग #लखीसराय #मैथिली समाचार