दरभंगा:[अरविंद कुमार झा] मित्रलोकैन अपने सबके जानकारी हैत जे,पिछला किछु दिन सs अश्लील मुक्त मिथिला ऐकटा मुहिम जे अरविंद कुमार झा केँ नेतृत्व में चलाओल गेल छल।जेही मे बहुत रास मैथिलवृंद संग देलैथ।ओर ओहिसँ मुहिम ओर तेज गती सँ अपन काज केनाई चालु केलैथ।जेहिमे कैको अश्लील मैथिली गीत केँ हम सब हटेबा में सफल भेलू।
अखन तक जे गीत हटबैल गेल अछि,जेहि के नाम नीचा देल गेल अछि।
खोलू यौ रजाजी बलाऊज केँ
बटन यी गीत के हटबेलू।
यादव छौरा खचा खच मारतौउ।
ई दुनु गीत हमसब हटबा देलू ।
ओर बहुत रास अश्लील गीत जेँ मैथिली में अछि,उहो के हटेबाक लेल हम सब सतत प्रयास कs रहल छी।ओर बहुत रास स्टुडियो सs सेहो ऐही तरहक अश्लीलता सs भरल गीत हटेबाक लेल,बात कैल गेह हन,ओर अस्वासन भेटल अछि जे आब एही तरहक गीत हम सब नञि रीलीज करब।ओर जे आई ओकरो हम सब हटा दैब।
आगामी हमर सबहक काज आई अछि जेँ गाव गाव जा कँ समाज के जागरूक सs डीजे आरकेस्ट्रा पर रोक लगेनाई।अखन किछ दिनक बाद दुर्गापूजा आइब रहल अछि,ओर ओहिमे बहुत दुर्गापूजा केँ कमीटी सs बात कैल गेल अछि,जे आश्लीलता सs भरल गीत,नाच नञि करेबाक लेल कमीटी अपन पक्ष रखलैथ, जै हम सभ ऐही तरहक कोनो प्रोगाम नञि करब।
हमर सबके बरका उपलब्धी ई रहल जे , दुर्गा पूजा आ काली पूजा के देखैत, अश्लीलता केँ कारोबारी अश्लील गीतक लंबा चौरा कमाई करबाक हेतु जे प्लान केने छल तकरा ध्वस्त केलौउ , अश्लील गीतक रिकॉर्डिंग बंद भेल , अश्लीलता केँ कारोबारी करबाक लेल ई एकटा सदमा जेना लाइग रहल छैन ।
जेहिके परिणाम में हमर सबहक टीमक सदस्य केँ धमकी आ विभिन्न तरहक संताप देबाक कोशिस कैल गेल छल।मूदा हम सब अपन लक्ष्य केँ देखैत आगा बैढ़ रहल छी।
हम अपन टीम के बहुत बहुत धन्यबाद करै छी।बहुत कम समय में अतेक सफलता सs उत्साहित छी।
धन्यवाद
अरविंद कुमार झा
मिथिला दैनिक केँ तरफ सँ ऐही टिम केँ ऐही तरहक निसन ठेग उठेबाक लेल शुभकामना संग बधाई।
#अश्लील गीतक # विरोध #मैथिली समाचार