दरभंगा: [प्रणव चौधरी] दरभंगा जिलाक एपीएम थाना क्षेत्रक सिरनिया गांवक रहैय बला मो. खालिद अनवर केर बेटा मो. खालिद (25 वर्ष) केँ मृत्यु शुक्र दिन बिजली केँ करंट लगला स भ गेल।
एही घटनाक संबंध में परिजन सब कहलैथ कि "खालिद" मोबाइल चार्ज में लगाक चलबैए छल। एही दौरान हुनक शरीर नंगा तार में सैट गेल। परिजन सब हुनका तुरंत डीएमसीएच आनलैथ, जत चिकित्सक सब हुनका मृत घोषित क देलक। खालिद अप्पन परिवारक एकलौता कमाऊआ बेटा छल।खलिद कपड़ा केर व्यवसाय कs अपन परिवारक भरण-पोषण करैत छलैथ। खालिदक मोत सs पूरा परिवार केर ऊपर दुखक पहाड़ टूइट गेल अछि।
#मृत्यु #बिजली करंट # मैथिली समाचार