दरभंगा: [गोविंद झा] दरभंगा जिलाक बहेड़ी प्रखंडक अंतर्गत शंकर लोहार चौक सँ हबीडीह होइत पड़री पोखरामक रास्ता सँ बिरौल तक जाए वला रस्ता पिछला 30-31 बरख सँ टूटल अछि और अहि रोडक अखुनका स्थिति बहुत दयनीय अइछ!
अहि रस्ताक दयनिय स्थिति केर देखैत मिथिला विकास संगठनक राष्ट्रीय अध्यक्ष विकास फूल केर दिशानिर्देश में राष्ट्रीय महासचिव मैथिल त्रिपुरारी एहि सड़कक लेल MVS केर तत्वावधान में पथ निर्माण मंत्रालय में आवेदन देलैथ संगहि लोक शिकायत निवारण अधिकार अधिनियम में 31/08/2018 कँ एकटा परिवाद दर्ज सेहो करेला !
जेकर सुनवाई 13/09/2018 कँ पटना मंत्रालयक अंतर्गत लोक अदालत में पथ निर्माण विभागक अधिकारी संग हैत। MVS केर राष्ट्रीय उपाध्यक्ष रमेश झा और प्रवक्ता गोविन्द झा कहला जे अगर एहि पथ केर निर्माण में कोनो कोताही वर्तल गेल तँ MVS केर सेनानी संग अधिकारी गण अहि सड़कक लेल सड़क पर उत्तरबाक लेल तैयार अछि और कहला अपने समस्त मैथिल भाई बंधु MVS के संग दियौऊ MVS मिथिलाक सब जमीनी स्तरक परेशानी संगे छात्र और मिथिलाक क्षेत्रक लेल सम्पूर्ण विकासक कार्य में सदैव अग्रसर रहत।
#दरभंगा #आवेदन # पथ निर्माण #मैथिली समाचार