अररिया: बिहारक सभ जिला और सभ इलाके में कतेको ऐहेन लोग होयत अछि जे बिहारक इज्ज़त केँ तार तार कँ रहल अछि। जतं एक तरफ देश भैर में सरकार बेटी बचाऊ आओर बेटी पढ़ाउ केँ नारा लगा रहल अछि ओतैय बिहार में आइ केँ दिन में बेटी केँ इज्जत तार तार भ रहल अछि। लगातार दुष्कर्मक आओर छेड़छाड़क घटना केँ ल क बिहार बहुत शर्मसार भ रहल अछि।
अखने हाले में भोजपुर जिलाक बिहिया में महिलाक साथ शर्मसार करैय वाला घटना सेँ जतँ बिहार सहित पूरा देश छुब्ध छल। औतैय बिहारक अररिया सेँ सेहो ऐहने खबैर आइब रहल अछि। अररियाक जोकीहाट में एगो लड़की केर बेइज्जत कैल गेल हन। बताओल जा रहल अछि कि अररिया में भेल ई घटना हैवानियतक के हद पार क देलक । एही घटना केँ ल क बताओल जा रहल अछि कि स्थानीय दबंग सबहक द्वारा एगो नाबालिग लड़की का सिर मुंडवा कँ ओहि बच्चीया केँ नंगा घुमाओल गेल आओर तँ आओर पीड़िता नाबालिग केर स्तन केँ सेहो दबंग सब तेज हथियार स काटबाक प्रयास केलक ।
ऐही घटना केँ ल क कहल जा रहल अछि कि कोनो पुरान विवाद केँ ल क किछु दबंग सब घर में बैठल अकेला नाबालिग के साथ अप्पन मुँह कारी केलक और फेर निर्वस्त्र कँ आँगन में घुमेलक ,एही दौरान लड़की कोनो तरहे जान बचाक भागल। एही सम्बन्ध में पीड़िता केर माँ एगो महिला सहित 6 गोटिक खिलाफ थाने में मामला दर्ज करबेलक केँ
अपनेक जनतब करा दि जेँ किछु दिन पहिले बिहारक भोजपुर जिलाक बिहिया में एगो महिला केँ ओही जगहक स्थानीय लोग सब मिल कँ निर्वस्त्र क उक्त महिला केँ पूरा बाजार में घुमाओल गेल छल। एही घटनाक वायरल होइते पूरा सिस्टम हिल गेल छल ,सरकार पर कतेको तरहक आरोप लगैल गेल छल।एही घटना में शामिल आदमी सबके चिन्हित कँ कार्रवाई कैल गेल और कैगो पुलिस वाला सेहो सस्पेंड कैल गेल छल। आब फेर एक बेर फेर अररिया में एही तरहक घटना सेँ पूरा बिहार शर्मसार भेल।
#अररिया #महिलाक अत्याचार #मैथिली समाचार