दरभंगा : दरभंगा जिलाक खिरमा-पथरा चौक पर आयोजित कैल गेल चार दिनक श्रीकृष्ण जन्मोत्सवक मौका पर रवि दिन ऐगो भव्य कलश शोभा यात्रा निकालल गेल छल।जाहि में 251 कुमाइर कन्या सब भाग लेलैथ। सब कन्या मोहनी नदी सेँ जल लक पूजा स्थल पर पहुंचली।जत वैदिक मंत्रोच्चारणक बीच पूजा-अर्चनाक बाद कलश स्थापित कैल गेल।कलश यात्रा केँ ल क सुरक्षाक कड़ा इंतजाम कैल गेल छल। थाना अध्यक्ष कौशल कुमार अपने विधी व्यवस्था केँ महिला एवं पुरूष पुलिस बलक जवान केर संग देखाई देलैथ।पूजा समितिक अध्यक्ष फूलकुमार राम मुखिया, सरपंच मनोज कुमार साफी, पुनीत कुमार यादव, उमेश ठाकुर, राजकुमार यादव, जयकुमार यादव, शंभु यादव आर बहुत रास लोग शोभा यात्राक संग चैल रहल छलैथ ।
#दरभंगा #जन्माष्टमी #कलश शोभा यात्रा #मैथिली समाचार