मधूबनी: बेनपट्टी प्रखंड में अर्द्धनिर्मित सार्वजनिक शौचालय निर्माणक काज केँ पूरा करबाक लँ क एम.एस.यू(MSU)केँ कार्यकर्ता सब प्रखंड कार्यालय केँ बंद करबेने छल।ओहिमें दोसर दिन तीनटा मामला दर्ज भेल अछि। मामला अलग-अलग दर्ज कैल गेल अछि । तीनटा एफ.आई.आर में तीन दर्जन नामित संग 4 दर्जन अज्ञात केँ शामिल कैल गेल अछि।
बीडीओ मनोज कुमार एफआईआर दर्ज करेलैथ आई ।मनोज के आरोप अछि कि बिना कोनो सूचनाक मिथिला स्टुंडेंट युनियन(MSU) केँ विदेश्वरनाथ झा विकासक नेतृत्व में बेनीपट्टी प्रखंडक कार्यालय में 14 नामित सहित 15-20 गोटा आइब केँ सरकारी काम काज में बाधा उत्पन्न केलक। तोड़फोड़ केलक, बीएलओ केँ बैठक केँ सेहो बाधित कs कर्मी सब केँ कार्यालय में रोइक कs रखलक। इम्हर दोसर तरफ एम.एस.यू केँ विदेश्वरनाथ झा विकास सेहो प्रखंड प्रमुख पति राजेश यादव व पांच नामित आदमीक संग 20 गोटाक खिलाफ अनशन पर बैठल कार्यकर्ता केँ संग मारपीट कs भगेबाक, मोबाइल आओर माइक छिन लेबाक लंग तोसक, दरी आदि केँ जरेबाक आरोप लगबैत एफ.आई.आर दर्ज करेलैथ ।
ओतै प्रमुखक पति राजेश यादव सेहो विदेश्वरनाथ झा विकास सहित 12 गोटाक खिलाफ रंगदारी में एक लाख रुपया मांगबाक आओर प्रमुख सोनी देवी केँ संग मारपीट करबाक व अभद्र व्यवहार करबाक लगाबैत एफ.आई.आर दर्ज करेलक । पुलिस निरीक्षक सह थाना प्रभारी हरेराम साह के कहब अनुसार जेँ कि तीनु आवेदनक आलोक में अलग-अलग एफ.आई.आर दर्ज कs आगाक कार्यवाई कैल जा रहल अछि।डीएसपी पुष्कर कुमार बतेलैथ कि सरकारी विधि व्यवस्थाक बिगाड़ैए बला केँ कखनो नञि बख्शल जेत , चाहे कियौ भी रहैथ।
#गुंडा गर्दीक आरोप #msu #मधुबनी #मैथिली समाचार