पटना: बिहारक राजधानी पटना में डॉक्टरक बेटा केँ अपहरण केलाक बाद हत्या कs देल गेल।तीन दिन पहिले डॉक्टर शशि भूषण केर बेटा सत्यम केँ अगवा कs लेल गेल छल।एहिके बाद रूपसपुर थाना में एफआईआर दर्ज कराओल गेल छल।पुलिस सत्यम केँ खोइज रहल छल। शनि दिन रूपसपुर इंजीनियरिंग कॉलेजक पीछा सत्यम केँ लहास भेटल।
पुलिसक कहब अछि कि 27 तारीख केँ सत्यम घर सेँ कोचिंग केर लेल निकलल छल। एहीके बाद सत्यम नञि लौटल।लहासक देखला सs ऐहेन लाइग रहल अछि,की ओहि दिन अपराधी सब सत्यम केँ माइर देलक। इम्हर डॉक्टरक बेटे केँ हत्याक खबैर मिलला सँ पुलिस सब में हरकंप मैच गेल अछि। पुलिस आनन-फानन में दुगो अपराधी केँ गिरफ्तार केलक। एगो केँ नाम नीरज और दोसरक नाम रोहित अछि। पुलिस हुनका सब सँ पूछताछ कs रहल अछि। पुलिसक मुताबिक शुरुआती नजैर में ऐहेन लाइग रहल अछि कि सत्यम केर दोस्त ही हुनक मौत केर घाट उताइर देलक। ओहिके पीछा कोनो लड़की केँ मामला सेहो सामने आइब रहल अछि। अपनेक बता दी, जे अपराधी सभ सत्यम केँ अगवा करबाक बाद 50 लाख केँ फिरौती मांगने छल। सत्यम केर उम्र लगभग 15 साल छल आओर सत्यम 10वीं केँ छात्र छल।
#अपहरण #डॉ बेटा #पटना # मैथिली समाचार