भारत केर प्रख्यात कविगण;यथा -उटपटाँग लखनवी(लखनऊ),श्याम सिंह "श्याम"(देहरादून),युवाकवि चन्दन तिवारी"मधुप" (लखनऊ),महेश द्विवेदी(मध्यप्रदेश)क संग बिहार केर यशस्वी एवं चर्चित कवि; यथा - कैलाश झा किंकर(खगड़िया),डॉ.प्रेमचंद पाण्डेय(भागलपुर),देव नारायण पासवान"देव",डॉ.के के चौधरी,कैलाश बिहारी चौधरी एवं आनक संग स्वयं बाबा बैद्यनाथ झा। ज्ञातव्य अछि जे ई लोकार्पण राष्ट्रीय स्तरपर चर्चित "तरुणोदय सांस्कृतिक विकास परिषद्, खगहा मीरगंज(पूर्णियाँ)क २६म् "हिन्दी पखवाड़ा सह सम्मान समारोह एवं कवि सम्मेलन,२०१८" केर शुभ अवसरपर सम्पन्न भेल, जकर अध्यक्षता करैत "कौशिकी"क यशस्वी सम्पादक कविवर कैलाश झा किंकरजी पुस्तकक कतिपय कुण्डलियाक सस्वर पाठ करैत समीक्षा कयलनि, मंच-संचालक डॉ. प्रेमचंद पाण्डेय प्रभृति विद्वान लोकनि सेहो कुण्डलिया विधाक
विशेषताक वर्णन करैत २७० कुण्डलियासँ भरल एहि विमोचित पुस्तक "बाबा की कुण्डलियाँ"क
खूब प्रशंसा करैत समीक्षा केलन्हि।
#किताबक लोकार्पण # बाबा बैद्यनाथ झा #मैथिली समाचार