दहेजक बलि चढली टुनटुन देवी ! न्याय लेल मृतकाक माँ दर दर भटैक रहल अछि।



दरभंगाः[प्रणव चौधरी] बिरौल थानाक्षेत्रक पटनिया पंचायतक भैनी गांव मे बितल 27 जून 2018 केँ टुनटुन देवी हत्याक मामला में अखन तक किनको गिरफ्तारी नञि भेल अछि।मृतका टुनटुन देवीक लहास हुनक घर केँ छत सँ लटकल भेटल छल। जाहिके सबंध मे धारा 302/34 के अंतर्गत बिरौल थाना मे केस दर्ज करौल गेल छल।जाहि केसक नंबर 154/18 अछि। मुदा सोचैय बला ई गप अछि जे एही घटनाक घटला एक मास सs बेसी भ गेल,आओर अखन तक प्रशासन नञि किनको गिरफ्तार केलक केँ आओर नञि कोनो तरहक ठोस कारवाई कैयाल जा रहल अछि।

इटवा शिवनगरक रहैय वाली मृतका केँ माँ इंद्रासन देवी बेर बेर बिरौलक एसडीओ आओर थाना सँ न्यायक गुहार लगेबाक  लेल बिरौल मुख्यालय आबैत छैथ।मुदा पूलिस न्याय देबाक बदला उल्टा मृतका केर माँ केँ डाइट क भगा दैए छैथ।

बातचीत करबाक दौरान मृतकाक माँ केँ कहब छन जे हुनक बेटी "टुनटुन देवी" केँ हत्या दहेजक कारण कैल गेल आई।टुनटुन देवी के ऐगो बेटा जे 1बरख 6 मासक अछि।मृतका टुनटुन देवी केँ बेटा केँ सेहो हुनक ससुराल बला सभ लापता केने अछि।पूलिस अखन तक नञि किनको गिरफ्तार केलके आओर नञि टुनटुन देवी केँ डेढ बरखक बच्चा के खोइज में सफल भेलैथ ।मृतका केँ माँ जखन देखलैथ जे बिरौल थाना हमरा न्याय नञि देत त,पैघ पदाधिकारी सब सs भेट कs अपन बेटी केँ न्याय आर अपन नाती बरामदगी करबाक लेल सोचलैथ।मृतकाक माँ के कहब छन जे हुनक बेटी "टुनटुन देवी" के सासुरक लोग सब एही घटना स पहिले सेहो दहेजक लेल "टुनटुन देवी" साथे माइरपीट व कतेको बेर  प्रताड़ित केने छल।जाहिके संबंध मे टुनटुन देवीक माँ बिरौल थाना मे 2 जूलाई 2016 कँ दहेज निषेध अधिनियमक तहत प्राथमिकी दर्ज करेने छेलैथ।ओहि केस केँ नंबर 255/2016 अछि। जेही केस मे 21 जून 2017 कँ पटना उच्चन्यायालय में मध्यस्थता केंद्र मे सशर्त फैसला भेल छल। मूदा ओहिके बादो "टुनटुन देवी" के हुनक सासुरक लोग सब कतेको तरह स प्रताड़ित करैत छल।आओर अंत में 27   जून 2018 क " टुनटुन देवी" के हुनक सासुरक लोग सभ दहेजक लेल हत्या क देलकन । ओही दिन स मृतकाक माँ न्याय केँ लेल दर दर भटैक रहल छैथ ।
#दहेज उत्पीड़न #दरभंगा #बिरौल #मैथिली समाचार