बिग बॉस केर घर में पहिल बेर बिहार के दुगो कॉमनर कलाकार जगह बनेलक । मुजफ्फरपुर केर गायक दीपक ठाकुर केँ संग पटना सिटी केँ उर्वशी वाणी केर इंट्री भेल । उर्वशी केँ परिवारक लोग केँ संग ही आस-परोश केँ लोग आओर हुनक शिक्षिका सब बहुत खुश छैथ । सब कियौ हुनकर लगन आओर मेहनत केँ बड़ाई केलखीं । उर्वशी के बाबूजी श्रीमान पंकज कुमार तिवारी समस्तीपुर जूट मिल में कार्यरत छैथ।
बातचीत के दौड़ान उर्वशी के बहिन कहलैथ जे की उर्वशी केँ संगीतक प्रति एतेक जोश जुनून छल ,जे हुनक फेसबुक फ्रेंड दीपक ठाकुर छल।आओर हुनक आवाज सs प्रभावित भ कs उर्वशी दिपक सs भेटकरबाक लेल मुजफ्फरपुर पहुंच गेल छली। बाद में हमरा सबके पता चलल। क्लास में सबसँ पहिले आइब कs आओर हॉरमोनियम पर रियाज शुरू कs देनाई हुनक आदत भ गेल छल। उर्वशी केर सफलताक लेल हुनक सहपाठी व आर लोग सब प्रार्थना क रहल अछि।संगे लोग में सब सs बेसी सs बेसी संख्या में वोटिंग करबाक लेल अपील कs रहल छैथ। वोटींग करबाक तरीका अगला लेख मे बताओल जाइत।
"मिथिला दैनिकक" तरफ सँ मिथिलाक दूनू लाल के बहुत बहुत शुभकामना संग बधाई।
#गर्व #उर्वशी आओर दीपक # बिग बॉस 12 #मैथिली समाचार