समस्त मिथिलावासी लोकनि, मैथिल सेवा संस्थान द्वारा आगामी दिनांक 22-23 सितंबर, शनि-रविदिन द्वीदिवसीय 'मैथिल जनसंपर्क यात्रा' आयोजन निमित समस्त मैथिलवृंद केँ हकार प्रेषित कय रहल छी जे अहि जनसंपर्क यात्रामे सहभागी भए सफल बनायब। ई जनसंपर्कयात्रा दरभंगा श्यामा माई मंदिर प्रांगण सँ आरम्भ भए मखनाही, टेकटार, जगवन, रजौन, बसैठ (चानपुरा), शिवनगर चौक, पुपरी, सीतामढ़ी होएत पुनौराधाम जानकी प्राकट्यस्थल धरि पहुँचि विधिवत सम्पन्न होयत। जनतब हो जे पहिल दिनक यात्रा बसैठ (चानपुरा) धरि होयत आ एतहि रात्रिविश्राम कयल जायत। पुनः दोसर आ अंतिम दिनक यात्रा बसैठ (चानपुरा) सँ पुनौराधाम धरि होयत। अहि यात्राक क्रममे विभिन्न ठहराव स्थल पर स्थानीय मैथिल लोकनिसँ संपर्क, वार्ता संगहि संस्थाक उद्देश्यपूर्ति हेतु अल्पावधि विचारगोष्ठीक आयोजन कयल जायत। जानकी प्रकाट्यस्थल पुनौराधाममे कवि लोकनिक कविता पाठ संगहि उपस्थित जनमानसकेँ संस्थाक उद्देश्य व आगामी योजनासँ अंगीकार कराओल जायत, संगहि नारी सशक्तिकरण, मिथिला डेवलपमेंट, विलुप्त होएत अपन संस्कृति एवं सहयोग व सेवाधर्म हेतु योजनाबद्ध आह्वाहन कयल जायत। अतः अपने समस्त मिथिलावासी सँ विशेष अनुरोध अछि जे अहि मैथिल जनसंपर्क यात्रामे सहभागी भए अपन मिथिला वास्ते किछु श्रमदान अवश्य करी। निवेदक : प्रकाश कुमार कमती (मीडिया प्रभारी) मैथिल सेवा संस्थान #मैथिल जनसंपर्क यात्रा #मैथिल सेवा संस्थान # मैथिली समाचार