ट्रकक धक्का लगला स साइकिल सवार छात्राक भेल मौत



दरभंगाः[प्रणव चौधरी]  दरभंगा जिलाक एपीएम थाना क्षेत्रक होरलपट्टी-हायाघाट सड़क पर डायवर्सन संख्या-2 पर मंगल दिन ट्रक सेँ कुचैलक साइकिल सवार एगो छात्राक मौत भ गेल। हादसाक बाद चालक ट्रक छोइड़क फरार भ गेल।एही घटनाक सूचना मिलैत पहुंचल पुलिस लाश केँ पोस्टमार्टम करबाक लिए डीएमसीएच भेज देलक। पुलिस दुर्घटनाग्रस्त भेल ट्रक केँ अप्पन कब्जा में ल लेलक यै।मृत छात्राक पहचान पतोर ओपी क्षेत्रक रमपुरा (पतोर) गावंक फुलेश्वर मुखियाक पुत्री रंजन कुमारी(15) केर रूप में कैल गेल अछि। यी घटना करीब चाइर बजे शाम केर बताओल जा रहल अछि।ऐही घटना सेँ आक्रोशित लोग ओर मिथिला.स्टुंडेंट युनियन हायाघाटक सेनानी सब मृतका केर न्याय दिएबाक लेल घटनास्थल सेँ करीब तीन किलोमीटर दूर लहेरियासराय-बहेड़ी रोड केँ होरलपट्टी एपीएम मोड़ केर पास जाम क देलक ओर टायर जलाक पुलिस,व प्रशासनक खिलाफ जैम क नारेबाजी केलक।

आक्रोशित लोग सब मृतका परिवार केँ 5 लाख रुपया मुआवजा,और ऐगो परिजनक नौकरी देबाक, संग ट्रक मालिक एवं चालक पर प्राथमिकी दर्ज करबाक, मंग एसएसपी और डीएम केर घटनास्थल पर बजेबाक मांग क रहल छल. मौका पर पहुंच पंचायत सचिव पारिवारिक लाभक तहत परिजन केर बीस हजार रुपया नकद देलक।

घटनास्थल पर मौजूद अकराहा उत्तरी निवासी मृतकाक फुआ सतनी देवी कहलैथ कि हम रक्षाबंधनक दिन अप्पन बेटी चंदा कुमारी केर साथ भाई केँ राखी बांधबाक लेल  रमपुरा (पतोर) गेल छेलू। भाई केँ राखी बांइधकर सतनी अप्पन घर आइब गेली, मुदा हुनक बेटी चंदा कुमारी अप्पन मामा केर घर रुइक गेल। मंगल दिन रंजन कुमारी अप्पन फुआ केर बेटी चंदा केँ साइकिल पर बैठाक चंदा केँ घर अकराहा उत्तरी गांव पहुंचाबैए लेल जा रहल छल। एही बीच डायवर्सन संख्या-2 पर दुगो पीछा सँ आइब रहल ट्रकक चपेट में रंजना आइब गेल ।जेहिमे चंदा त बैच गेल, मुदा रंजन कुमारी केर मौत घटनास्थल पर ही भ गेल।।