दरभंगा[प्रणव चौधरी] दरभंगा अगर आब सब किछु ठीक ठीक रहल त मिथिलाक धरती स उड़ान भरैय बला के लेल नवा बरखक 2019 केर पहिल मास जनवरी सौगात ल क आओत..
जनवरी स देशक तीन महानगर नई दिल्ली, मुंबई व बंगलुरू केर लेल अंतरिम तौर सs ऐत हवाई सेवा शुरू हैत। एहिके लेल काम चैल रहल अछि। एयरपोर्ट ऑथोरिटी ऑफ इंडिया एहिके स्वीकृति सेहो द चुकल अछि। ई जानकारी जिला पदाधिकारी डॉ. चंद्रशेखर जी देलैथ। ओ कहलैथ कि स्थायी तौर पर उड़ान भरबाक लेल जे बुनियादी चीज सबहक जरूरत होइत अछि,ओहि दिशा में सेहो काम चैल रहल आई । एहिके लेल 31 एकड़ जमीनक जरूरत अछि। यही पर 42 करोड़ रुपया खर्च होंयत। करीब 15 दिन पहिले जमीन अधिग्रहण स संबंधित एगो प्रस्ताव मंत्रिमंडल सचिवालय के सेहो भेजल गेल छल। राशि स्वीकृत होइत जमीन अधिग्रहणक प्रक्रिया शुरू कैल जैत। फिलहाल अंतरिम तौर पर उड़ान भरबाक दिशा में काम चैल रहल अछि। जनवरी मास स उड़ान भरबाक संभावना अछि। अखन तारीख तय नैय भेल अछि। इंडिगो विमान कंपनी केँ परिचालनक स्वीकृति सेहो द देलैथ ।
#दरभंगा #हवाई सेवा