आरा : अंधविश्वासक चलते बिहारक भोजपुर जिला में एक परिवारक तीन गोटा के जान चैल गेल। यी घटना भोजपुर जिलाक कौशिक दुलारपुर गांवक अछि। तीनु के बीतल राइत ओही समय जहरीला सांप कटलक जखन ओ एकैह खाट पर सुतल छेलैथ तीनु। स्थानीय लोग सब तीनु केर हॉस्पिटल ल जेएबाक बदला झाड़-फूंक करैय बला ओझा केर पास ल गेलैथ और हुनक जान नैय बचा सकलैथ ओझा।.
पुलिस अधीक्षक अवकाश कुमार कहलैथ कि मृतक में राजेश यादव (45), हुनक बेटा विष्णु (10) और बेटी अंशु कुमारी (8) शामिल अछि। और पुलिस अधीक्षक बतौआला जे सांपक डसैय पर हुनक परिजन ओझा स झाड़-फूंक करेबाक लेल पड़ोसी राज्य उत्तर प्रदेशक बलिया केर अमवा गांव ल गेल छल, जत तीनु गोटे केर मौत भ गेल। ओ कहलैथ कि तीनु शव के पोस्टमार्टम भोजपुर जिला मुख्यालय आरा स्थित सदर अस्पताल में कराओल जा रहल अछि।