दरभंगा।[प्रणव चौधरी] सांसद कीर्ति आजाद बृहस्पति दिन संसद में मिथिला राज्यक गठन करबाक लेल संसद में तार्किक ढंग स अप्पन बात रखलैथ। आजाद कहलैथ कि राज्य सरकार मिथिलाक विकास केर लेल किछु नञि क रहल अछि।केंद्र स प्रायोजित योजनाक लाभ नञि भेट रहल अछि। मिथिलाक भाषा व संस्कृति केर संरक्षणक लेल सरकार के पास कोनो प्रभावशाली योजना नञि अछि। मिथिलाक जनता कैको बरख स अप्पन विकासक लेल मिथिला राज्यक मांग कs रहल छैथ। जे भाषा और सांस्कृतिक आधार पर संवैधानिक रूप सs न्यायक संगत अछि। एही लिहाज सs केंद्र सरकार मिथिला विकास केर लेल बहुत जल्दी मिथिला राज्य केर निर्माण पर विचार करैथ। जेही स संपूर्ण मिथिलाक विकास भ सकैया ।चीनी मिल, जुट मिल, पेपर मिल, सिल्क मिल, खादी भंडार आदि बंद पड़ल अछि। प्राकृतिक आपदा बाढ़ व सुखाड़ मिथिला केँ पिछड़ा और बैकवर्ड स्तर पर आइन देने आई । बाढ़ केर समस्याक कोनो स्थायी निदान सरकारक पास नञि अछि।ऐहेन परिस्थिति में मिथिला राज्य सs ही मिथिलाक विकास संभव अछि ।
#संसद #कृति आजाद #मिथिला राज्य