दरभंगा :[प्रणव चौधरी] मधुबनी जिलाक अरेर थाना क्षेत्रक जरैल निवासी भूप नारायण झाक पुत्री रंजनाक संदेहास्पद मौतक मामला में पुलिस जांचक रफ्तार तेज क’ देलक। विशनपुर थाना पुलिस 21 अगस्त मंगलदिन ओझौल गाम पहुंचक रंजनाक सासुरक अगल - बगल रहैय बला लोक सभ सँ पूछताछ केलक आओर इमहर रंजनाक पति प्रभात कुमार झा उर्फ बिट्टू केँ पूछताछक करबाक बाद पुलिस न्यायालय में पेश केलक आ ओतय सँ हुनका न्यायिक हिरासतमे जेल पठा देल गेल। रंजना झाक परिजन सभ जखन रंजनाक मौत पर सवाल ठाढ़ केलाक बाद एहि मामलामे नवा मोड़ आबि गेल अछि। पूर्वमे खबरि फैलल छल जे एकमी-शोभन रोड मे भरौल चौकक समीप सड़क दुर्घटना मे रंजनाक मौत भ’ गेलैन।
हालांकि घटनास्थल पर दुर्घटना केँ समर्थनमे साक्ष्य नैए भेटबाक बात पुलिस करैत छल मुदा जखन रंजनाक भाई रंजनाक सासुरवला पर हत्या करबाक आरोप लगौलनि तखन जाँचमे नव मोड़ आयल। बेंता स्थित एकटा निजी अस्पताल सँ छुट्टी मिलैत पुलिस रंजनाक पति प्रभात केँ गिरफ्तार क’ लहेरियासराय थाना ल’ गेलनि। सदर एसडीपीओ आरोपी प्रभात सँ बहुत देर तक पूछताछ केलक। पोस्टमॉर्टम रिपोर्ट केँ अध्धयन कएलाक बादमे प्रभात कुमार झा केँ जेल भेजबाक निर्णय लेल गेल। सदर एसडीपीओ प्रेस सँ बात करैत कहलैथ जे एहि मामलाक गंभीरता सँ जाँच चैल रहल अछि आ जल्दी ये रंजना हत्याकांडसँ सम्बंधित अन्य लोक सभके गिरफ्तारी सेहो भ’ सकैत अछि।
#दरभंगा #मैथिलि #समाचार #रंजना झा