बिहार-झारखंड में तीन दिन तक नैए भेटत गैस सिलेंडर



पटना: एलपीजी गैस सिलेंडर उपभोक्ता सबके 27, 28 और 29 अगस्त सेँ पहिले सतर्क रहबाक जरूरत अछि, कियैक त एही तीन दिन में हुनका गैस सिलेंडर नैए भेटत। एहीके कारण यी अछि जे वर्तमान टेंडर सँ 50 फीसद कम टेंडर निकालैय जाए केर विरोध में बिहार-झारखंड एलपीजी ट्रांसपोर्टरक एसोसिएशनक मेंबर एही तीन दिन में एलपीजी सिलेंडरक उठाव नैए करता। यैह कारण सँ बिहार और झारखंड में एलपीजी सिलेंडरक वितरण नैए होयत। एही संबंध में इंडियन ऑयल कॉरपोरेशनक मुख्य प्रबंधक वीणा कुमार बतेलक कि हड़तालक ल क कंपनी केर कोनो सूचना नैए मिलल यै।

एलपीजी सिलेंडर ट्रांसपोर्टरक टेंडर 15 सितंबर क खत्म होबैए वाला अछि। नव टेंडर जे 16 अगस्त क आएल हन, वर्तमान टेंडर सेँ ओहिके भाव आधा अछि। बिहार-झारखंडक एलपीजी ट्रांसपोर्टर एसोसिएशनक अध्यक्ष जितेंद्र कुमार सिंह कहलैथ यै कि एही निर्णय स सप्ताह भर पहिले आईओसी केर अधिकारी सबके पत्र लिख क जानकारी देल गेल छल,मुदा कंपनी एही पर कोनो तरहक ध्यान नैए देलक।

एसोसिएशनक विशेष बैठक में सर्वसम्मति स यी निर्णय लेल गेल हश कि आगामी 27 सँ 29 अगस्त तक बिहार ओर झारखंडक पांच प्लांट आरा, मुजफ्फरपुर, बरौनी, बोकारो और जमशेदपुर स्थित आईओसीएलक प्लांट सेँ एलपीजी सिलेंडरक उठाव एवं सप्लाई पूरा तरह बंद रहत।एही बैठक में महासचिव अनिल कुमार सिंह, उपाध्यक्ष उदय शंकर, सचिव मनोज कुमार सिंह, डॉ आरएन सिंह, आनंद मोहन प्रसाद उपस्थित छेलैथ।

#पटना  #मैथिलि #समाचार