दरभंगाः [प्रणव चौधरी] कैको महिना सँ डीआरएमक निर्देशन पर मिथिला पेंटिंग स सुसज्जित भ क बिहार संपर्क क्रांति सुपरफास्ट ट्रेन केँ नई दिल्ली के लेल रवाना करबाक काज आई स' साकार रूप लेबैए जा रहल अछि। बिहार संपर्कक्रांति सुपर फास्टक नौ गो बोगी केर मिथिला पेंटिंग स' सजा क 23 अगस्त क दरभंगा जंक्शन स रवाना कैल जैत। समस्तीपुरक रेल मंडल केर डीआरएम रवींद्र कुमार जैन ऐही मौका पर जंक्शन पर पहुंचक एही कार्यक्रम में हिस्सा लेता।
अपने सब पाठक के बता दि जे डीआरएमक पद पर श्री जैन केर योगदान करबाक उपरांत समस्तीपुर रेल मंडल में मिथिला पेंटिंग के ल क एगो अभियान जहैत चालू भ गेल अछि। डीआरएमक निर्देशन में पहिल मधुबनीक स्टेशनक मधुबनी पेंटिंग सँ सुसज्जित कर विश्व मे अप्पन पेटिंग केर कीर्तिमान स्थापित केलैथ यै।भारतक सौंदर्यी कृत रेलवे स्टेशन में मधुबनीक स्टेशनक नाम अंकित भ गेल। एहिके बाद दरभंगा जंक्शन पर दरभंगा हॉल में, यात्री सबहक विश्रामालय में मिथिला पेंटिंग केर प्रर्दिशत क दरभंगाक रेलक ओर सँ बेहतर सौगात देलैथ यै।
ओही कड़ी में आब मिथिला पेंटिंग सँ सुसज्जित भ क मिथिलांचलक प्रीमियम ट्रेन बिहार संपर्क क्रांति सुपरफास्ट केर रवाना कैल जैत। बहुत रास रेलयात्री ओर केको संगठन सब डीआरएमक एही पहल केर बहुत प्रसंसा केलैथ यै। डीआरयूसीसीक सदस्य श्याम मसुंदर तालुका श्री जैनक प्रयासक सेहो सराहना केलक यै।
#मिथिला #पेंटिंग #मधुबनीक #दरभंगा