भारत केँ सात राज्य सहित बिहारक राज्यपाल केर भेलनि तबादला, लालजी टंडन केर भेटलनि बिहारक कमान



पटना : देशकेँ सात राज्य समेत बिहारक राज्यपाल बदलल जेबाक खबैर भेटि रहल अछि। बिहारक वर्तमान राज्यपाल सत्यपाल मलिक केर जम्मू-कश्मीर केँ भार देल गेलनि अछि, ओतहि लालजी टंडन आब बिहारकेँ गवर्नर बनाओल गेल छथि।

जनतब हो जे मंगलदिन राष्ट्रपति भवन सँ जारी कयल पत्रमे उक्त जानकारी देल गेल अछि। जारी पत्रक आधार पर सत्यपाल मलिक आब जम्मू-कश्मीर केँ आ लालजी टंडन बिहार केँ राज्यपालक कुर्सी सम्हारताह।

श्रीमती बेबी रानी मौर्या केँ उत्तराखंडक राज्यपाल बनाओल गेल छन्हि। बिहार निवासी आ मेघालय केँ राज्यपाल गंगा प्रसाद केँ सिक्किम स्थानांतरित कयल गेलनि अछि। गंगा प्रसाद केर स्थान पर तथागत राय मेघालय केँ नव राज्यपाल हेताह। बता दी जे तथागत राय एखन त्रिपुरा केर राज्यपाल छथि।
और नया पुराने