दिवंगत अटलजीक अस्थि-कलश आय पहुँचत पटना, लोक दर्शन हेतु समूचा जिलामे घुमाओल जायत कलश

पटना : पूर्व प्रधानमंत्री आ भारतरत्न अटल बिहारी वाजपेयी जीक अस्थि-कलश आय दुपहरिया में पटना पहुँचत। भाजपा प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय एवं पीएचईडी मंत्री विनोद नारायण झा अस्थि-कलश संग दिल्ली सँ वीरचंद पटेल पथ स्थित पार्टी कार्यालय एताह।

जनतब हो जे अस्थि-कलश केँ पार्टी प्रदेश मुख्यालय धरि अनबाक क्रममे केंद्र आओर राज्य सरकारक मंत्री, सांसद, विधायक, पार्टी पदाधिकारी एवं कार्यकर्ता लोकनि उपस्थित रहताह। पार्टी कार्यालयमे लोकसभ अस्थि-कलश केर अंतिम दर्शन कय सकताह।

पार्टी केँ प्रदेश प्रवक्ता सुरेश रूंगटा बतौलनि अछि जे बृहस्पतिदिन 11 टा रथ सँ अस्थि-कलशकेँ समूचा राज्यक सभ जिलामे आम जनमानस केँ दर्शनार्थ भाजपा प्रदेश मुख्यालय सँ विदा कयल जायत।

उल्लेखनीय अछि जे अटल जीक अस्थि बिहार राज्य स्थित सभ महत्वपूर्ण नदी जेना गंगा, कोसी, महानंदा, पुनपुन, बागमती, कमला, बूढ़ी गंडक, सरयू (घाघरा), फल्गु, कर्मनाशा एवं नारायणी नदी में प्रवाहित कयल जायत। अहि अस्थि-कलश यात्रामे पार्टी केंद्र व राज्य सरकारमे शामिल मंत्रीगण सहित विधायक, सांसद एवं संबंधित क्षेत्रक प्रभारी समेत हजारों कार्यकर्ता लोकनि अपन सहभागिता देताह।