दहेजक बली चढली एक आओर नवविवाहिता, एक्सीडेन्ट देखेबाक कैल जा रहल अछि नाटक।



दरभंगा:[प्रणव चौधरी]दरभंगा जिलाक अझौल गाव में दहेजक दानव एकटा बेटी केँ हत्या कय ओहिके रोड एक्सीडेन्ट मे मरल गेल देखेबाक प्रयास कयल जेबाक खबैर फेसबुक सँ भेटल अछि।
प्राप्त सूचना मुताबिक मृतका लड़की केर सम्बन्धी अरुण झा फेसबुक मार्फत जनतब दैत कहलैथ यै जे प्रभात कुमार झा, पुत्र अजय झा केर विवाह 29/04/2018 केँ रंजना झा सुपुत्री भूप नारायण झा सँ लड़की केर पैतृक गांव जरैल जिला मधुबनी मे भेल छल। विवाहक भेलाक कनिके दिनक बाद सँ लड़की केँ दहेज़ लेल प्रताड़ित कयल जाय लागल छल। लड़का प्रभात द्वारा कैको बेर रंजना संग मारि-पीट सेहो कयल गेल छल। मुदा लोक लाजक डर सँ पुलिस मे शिकायत नहि देल गेल छल। जखन लड़की केँ ओकर सासूरक लोक अपन माय‍-बाप-भाइ-बहिन सँ नैए भेट ओर  फोन पर सेहो बात नैए करैय दैय गेल। तखन लड़कीक पिता ओकरा सँ भेट करबाक लेल बेटीक सासूर गेलाह। ओतय बेटी अपन सासूर केर लोक केँ डरक मारे सभक सोझाँ कोनो शिकायत तऽ नहि केलक, मुदा मौका पाइब लड़की एकटा चिट्ठी अपन पिता भूप नारायण झा केँ चुप-चाप दय देलक जाहि मे सासूरक सब हालात केर चर्चा लिखल छल।
18-8-18 क साँझक समय लड़कीक माँ-बाप केँ ओकर सासूरक लोक ई खबरि देलक जे एक्सीडेंट मे रंजना केर मौत भऽ गेल अछि । लड़कीक घरक लोक केँ सासूरक आसपड़ोस रहनिहार एक सूत्र द्वारा कहल गेलनि जे ओकरा संग घर पर मारि-पीट कयल गेलैक आर गला दबाकय हत्या कयल गेलैक। पूरे इलाका मे चर्चा छैक जे जँ लड़कीक मृत्यु भेलैक तऽ फेर रातिक अन्हरिया मे ओकर लहास केँ ठेकाना लगेबाक लेल सासूरक लोक ओकरा संस्कार कय देबाक लेल कियैक लय गेलैक जतय मल्लाह समुदायक किछु लोक देखि लेलकैक आ विरोध केलकैक तखन लाश लय केँ लड़काक परिवार भागि गेलैक। आर घर वापस आबिकय एक्सीडेंट होयबाक झूठ अफवाह उड़ा देलकैक। लड़का केँ सेहो अस्पताल मे एडमिट करबा देलकैक।

लड़कीक परिचित जखन लाश देखलकैक तऽ ओकर हालत सन्देहास्पद लागल। लड़की पैरक पायल ओकर बिस्तर पर टूटल भेटल। लड़की केँ गला पर नीला निशान अछि।पुलिस बाद मे लाश केँ अपना कब्जा मे लय केँ पोस्टमार्टम लेल भेज देलक।
जानकारी केँ मुताबिक लड़की द्वारा लिखल चिट्ठी मे लड़का केँ परिवार द्वारा ओकर दोसर विवाह करेबाक आ एकरा जान सँ मारि देबाक बात पर्यन्त लिखल अछि। मुदा लड़का केँ पिता बिहार पुलिस सँ सेवा निवृत्त दरोगा छथि, हत्याक एक्सीडेन्ट देखायब हुनका नीक सँ पता हेता,मुदा लड़की केँ पिता सेहो बिहार पुलिस मे सब इंस्पेक्टरक पद पर कार्यरत छथि आर दरभंगा पुलिस द्वारा कयल जा रहल अनावश्यक बचाव केर विरोध मे ओ आम जनमानस सँ संग देबाक अपील सेहो कयलनि अछि।
ओम्हर लड़कीक बहिन आराधना रंजन सेहो अपन बहिनक हत्या होयबाक बात कहलैथ यै।

लरका पक्षक ओर विशनपुर थानाध्यक्षक बयान।जे हम सब मुजफ्फरपुर जाइ छेलू।ओर ओहि समय एकमी-शोभन बाइपास रोडक नजदीक भरौल चौकक पास एग़ अज्ञात वाहन हमर बाइक के पिछा स धक्का माइर देलक। जेहिमे बाइक पर पीछा बैठल रंजना के मौत घटना स्थल पर भ गेल। जखन, की बाइक सवार गंभीर रूप से घायल छैथ। जेही में मृतका के पहचान बाइक चालक प्रभाष झाक पत्नी रंजना झा के रूप में मे कैल गेल हन। एही घटना के संबंध में विशनपुर थाना कहलैथ कि भरौलक पास मुजफ्फरपुरक ओर जा रहल एगो अनियंत्रित पिकअप वैन पीछा स धक्का माइर फरार भ गेल।ओतैय के स्थानीय लोग मदद करबाक लेल आगा एलैथ मुदा ताबे में रंजनाक मृत्यु भ गेल छल। पुलिस लाश के अपना कब्जा में ल क पोस्टमार्टम केर लेल डीएमसीएच भेज देलक। ओतैय मृतका केँ पति व बाइक चालकक स्थिति सेहो नाजुक बताओल जा रहल अछि।
जखन मिथिला दैनिकक टिम  थाना स बात केलैथ त थानाध्यक्ष अखन एही केस के जांच मे लागल छैथ।ओर किनको गिरफ्तार करबाक बात नैय कहलैथ यै।ओर कहलैथ जे आइ साझ तक पुरा जानकारी दैब एही केसक,जे सच्चाई कि अछि "मडर या एक्सीडेंट"।
#दहेज उत्पीड़न #दरभंगा #अझौल #मैथिली समाचार