नई दिल्ली: RRB Recruitment: रेलवे भर्ती बोर्ड बहुत जल्दी ग्रुप सी (RRB Group C) केर पद पर होबैय बला भर्ती परीक्षा के लेल एडमिट कार्ड (RRB Admit Card) जारी क देत। रेलवे एडमिट कार्ड परीक्षा स 4 दिन पहिले मतलब 5 अगस्त क जारी करत। एडमिट कार्ड आरआरबी (RRB) केर ऑफिशियल वेबसाइट पर जारी कैल जैत।उम्मीदवार अप्पन एडमिट कार्ड indianrailways.gov.in पर जा क डाउनलोड क सकैत छैथ।ग्रुप सी (Group C) केर 26 हजार 502 पद पर भर्ती परीक्षा 9 अगस्त क अछि। मुदा भर्ती परीक्षा (RRB Exam) स पहिले रेल मंत्रालय उम्मीदवार सबके नीक खबैर देलैथ यै।रेलवे (Railway) एगो नोटिस जारी क बतेलक यै जे कि ग्रुप सी केर लोको पायलट और टेक्नीशियन (ALP & Technicians) के वैकेंसी 26 हजार 502 स बढ़ाकर 60 हजार कैल जा सकैत अछि। रेलवे के 26 हजार 502 पद पर 47 लाख स ज्यादा आवेदन मिलल अछि।
रेलवे भर्ती बोर्ड (Railway Recruitment Board) केर द्वारा ग्रुप सी केर परीक्षाक एडमिट कार्ड जारी होबैय के बाद आहा नीचा मे देल गेल स्टेप के फॉलों करू ओर आसानी स अप्पन एडमिट कार्ड डाउनलोड क सकैत छी।
ऐना करबाक अछि डाउनलोड
स्टेप 1: भर्ती परीक्षाट एडमिट कार्ड डाउनलोड करबाक लेल उम्मीदवार सबके RRB केर ऑफिशियल वेबसाइट indianrailways.gov.in पर जाउ।
स्टेप 2: तखन RRB ALP & Technicians Admit Card केर लिंक पर क्लिक करू।
स्टेप 3: नवा पेज खुलत, एत छात्र अप्पन रजिस्ट्रेशन नंबर और पासवर्ड डाइलक लॉग इन करू।
स्टेप 4: आहाके एडमिट कार्ड स्क्रीन पर खुल जैत, अपने एडमिट कार्ड केर डाउनलोड क लिए और ओहिके प्रिंट आउट सेहो ल लिए।
#आर आर बी #ग्रुप सी #एडमिट कार्ड #नई दिल्ली