महात्मा गांधी सेतु केर रेलिंग तोइड़ कर गंगा में गिरल स्कॉर्पियो।




पटना :[प्रणव चौधरी] महात्मा गांधी सेतु केर पाया संख्या 36-38 के नजदीक पुलक रेलिंग तोइड़ क स्कॉर्पियो नदी में गिइर गेल।एही घटनाक मिलल सूचना केर बाद मौका पर पहुंचल आलमगंज पुलिस ओर एनडीआरएफ व एसडीआरएफ केर मदद स उफनैत गंगा के पानी में डूबल वाहनक तलाश शुरू क देलैथ यै।

बताओल जाइत अछि कि हाजीपुर केर तरफ स आइब रहल स्कॉर्पियो चालक के द्वारा संतुलन खो देबाक कारण घटना घटल। सूचना मिलला मौके पर नगर पुलिस अधीक्षक राजेंद्र कुमार भील व अन्य अधिकारी पहुंच गेल छेलैथ। पुलिसक कहब अछि कि वाहन पर कैय गोटा बैठल छेलैथ। यी पाइन स वाहन निकला के बादे पता चैल पैत।