पटना[प्रणव चौधरी] एनएसयूआई(NSUI)केर कार्यकर्ता सब सोमदिन पटनाक सदाकत आश्रम स मार्च निकालैथ और सरकारक खिलाफ जैमक प्रदर्शन केलैथ। एही दौरान सब कार्यकर्ता पर बिहार पुलिस लाठीचार्ज केलक।पुलिसक लाठी स पार्टी के एगो विधायक "अमित कुमार" टुन्ना के सिर सेहो फुइट गेल। दरअसल, पुलिस जगन प्रदर्शनकारी सबके रोकबाक प्रयास केलैथ त भीड़ उग्र भ गेल। एही दौरान पुलिस लाठीचार्ज केलक। पुलिसक लाठीचार्ज में पार्टी के केको कार्यकर्ता सबके सेहै घामर होबक सुचना भेटल अछि।
अपने सब गोटा केर जानकारी द दी जे यी कार्यकर्ता केंद्रक गलत शिक्षा नीति, युवा केर रोजगार और मुजफ्फरपुर में भेल मामला के ल क सरकारक खिलाफ प्रदर्शन क रहल छेलैथ। एही क्रम में पुलिस लाठीचार्ज केलक। घायल कांग्रेस विधायक सहित कार्यकर्ता सबके पटना केर गार्डिंनर अस्पताल में भर्ती कराओल गेल अछि। एही घटनाक बाद प्रदेशक राजनीति मे गर्मा भूचाल आइब गेल अछि।
घायल कार्यकर्ता और नेता सबके हालत जानबाक लेल "तेज़प्रताप यादव" अस्पताल में पहुंचलैथ।ओर एही दौरान तेज प्रताप सरकार पर तंज कसैत कहलैथ कि नीतीश सरकार बेरहम भ गेल अछि। हम एही मामला के सहन नैय करब और पूरा बिहार मे आंदोलन करब।तेजप्रताप यीहो कहलैथ कि अगर नीतीश कुमार के हिम्मत छैय त हमरा पर लाठी चार्ज कराबैथ।