दरभंगा : गैस सिलेंडर फटलासँ लागल भयंकर आगि, अवैध तरीकासँ कयल जा रहल छल रिफिलिंग

दरभंगा : शनिदिन साँझक समय दरभंगा शहर केर विश्वविद्यालय थाना क्षेत्रक भंडार चौक स्थित एकटा दोकानमे बेरा-बेरी गैस सिलेंडर फटलासँ भागमदौड़क माहौल बनि जेबाक समाद भेटल छल। अहि घटनामे कउनो व्यक्तिकेँ जानsक नोकशान नहि भेलनि अछि। अचानक खूब जोरकेँ धम्मक संग बेरा-बेरी चारिटा गैस सिलेंडर फटलासँ स्थानीय लोकमे डर पैसि गेल छलनि। सिलेंडर फटलाक बाद आगिक लपेट देखि अग्निशामक दलकेँ सूचना देल गेल, तदोपरांत अग्निशामक दलकेँ पहुँचलाक बाद अहि आगि पर नियंत्रण पाओल गेल आ लोकसभ चैनक सांस लेलाह। 
जानकारी अनुरूप भंडार चौक पर एकटा दोकानमे अवैध तरीकासँ गैस सिलेंडर रिफिलिंग कयल जा रहल छल। ताहिक्रममे एकटा सिलेंडर फटलासँ आगि लागि गेलैक। दोकानदार आगि लागैत देखि डरसँ बाहर भागि गेलाह। तदोपरांत दोकानमे राखल सिलेंडर बेरा-बेरी फाटि गेलैक। अहि अगलग्गीमे समूचा दोकान जरिकय नाश भए गेलैक अछि। सौभाग्यसँ आस-परोसक कपड़ा आओर जूता-चप्पलकेँ दोकानमे आगि नहि लागलैक, अन्यथा जुलूम भए जयतैक। अग्निशामक दलकेँ लगातार एक घंटाकेँ अथक प्रयाशक बाद आगि पर नियंत्रण पाओल गेल। 

अहि घटनाक सूचना केर बाद नगर विधायक संजय सरावगी आओर विश्वविद्यालय थानाध्यक्ष अजय कुमार झा घटनास्थल पर पहुँचलाह। दुनूगोटे समूचा घटनाके हालतक मुआयना कय लोकसभकेँ शांति बनाकय रखबाक लेल कहलनि।