दरभंगा, दहौड़ा : अपन माय केँ बिजलीक झटका सँ बचेबाक क्रममे अपन जान गमौनिहार 13 आरआर बटालियन जम्मू-कश्मीर केँ सैनिक आ मिथिलाक लाल प्रभात यादवकेँ पूर्ण सैनिक सम्मानक संग रविदिन हुनक पैतृक गाम दहौड़ामे अंतिम संस्कार कयल गेलनि। मुजफ्फरपुर आर्मी कैम्पसँ सूबेदार संत कुमार पांडेय केर नेतृत्वमे आओल सेनाक जवान जखनहि हुनक अर्थी केँ कन्हा लगौलनि कि ओतहि उपस्थित सैकड़ों लोकक आँखि सँ नोरक धार बहै लागल। सेनाक जवान सभ दिवंगत प्रभातकेँ तिरंगामे लपेटिकय शमशान धरि पहुँचौलनि आ तकरा बाद हुनका सलामी देल गेलनि। शवयात्रामे विधायक फराज फातमी, मुखिया रजी आलम संग सैकड़ों लोक शामिल छलाह। एतहि दुःखक गप ई जे पूर्व सूचना देलाक बादो स्थानीय प्रशासनिक अधिकारी संगहि थाना पुलिसक अधिकारी अहि मिथिलाक वीर बेटाकेँ अंतिम यात्रामे भाग नहि लेलनि जाहिलेल सेनाक सूबेदार संत कुमार पांडेय नाराजगी सेहो व्यक्त कयलनि। जनतब हो जे दिवंगत सैनिक प्रभातकेँ हुनक छोट भाई पंकज मुखाग्नि देलकइन्ह।
अहि दुःखद घटनासँ सैनिक प्रभातकेँ समूचा गाममे दुःखक पहाड़ टूटि पड़ल अछि। चारिटा भाईमे सबसँ पैघ प्रभात परिवारक सहारा छलाह। हुनक तीन टा छोट भाई एखन पढ़ाई कय रहल छन्हि। प्रभातकेँ पिताजी पेशा सँ किसान छथि। अपन बेटाक असमय निधन सँ पिता समेत समूचा परिवारमे कोहराम मचि गेल छन्हि। गामक लोकसभ एकदिस प्रभातक पत्नी (नव प्रसूता) केँ सम्हारबामे लागल छथि तs दोसर दिस प्रभातक पिताकेँ।
उल्लेखनीय अछि जे साल 2010 में सेनामे सहभागी होमए वला प्रभात धियेपुता सँ अपन देशकेँ सेवा करबाक भावना सँ प्रेरित छलाह। नरपतिनगर हाईस्कूल सँ मैट्रिक केर परीक्षा पास कय ओ मधुबनीकेँ आरके कॉलेज सँ वर्ष 2010 में स्नातक कयलाह आ तकरा बाद ओ सेनामे भर्ती भए गेलाह। एतबाक नै अपन गाममे सेहो संगी-साथीकेँ प्रभात सदिखन देशसेवा हेतु प्रेरित करैत रहैत छलाह। अहिवास्ते समय-समय पर शारीरिक प्रशिक्षणक कार्यक्रम सेहो आयोजित करैत छलाह।
प्रभातकेँ अंतिम यात्रामे देरीसँ पहुँचनिहार स्थानीय विधायक सह मुख्य सचेतक विरोधी दल बिहार विधानसभा ललित यादव मिथिलाक वीर सपुतक असमय मौत पर शोक व्यक्त कयलाह एवं हुनक परिवार सँ भेटिकय जिगेसा सेहो कयलनि।