मधुबनी : मिथिला स्टूडेंट यूनियन मधुबनी इकाई द्वारा काल्हि 10 अगस्त, रविदिन मुजफ्फरपुर आ मधुबनी बालिका गृह यौन शोषण कांडक दोषी केँ सजा भेटबाक सुस्त कार्यशैलीक विरोधमे मिसू मधुबनी जिला प्रवक्ता विजय श्री टुन्नू केर नेतृत्वमे बिहार मुख्यमंत्री श्री नीतीश कुमारकेँ शवयात्रा निकालि मधुबनी जिलाधिकारी समक्ष जमिकय प्रदर्शन कयल गेल। दोषीकेँ जा धरि फाँसीक सजा नहि होयत ताधरि चरणबद्ध तरीकासँ आंदोलन करबाक निर्णय मिसू द्वारा लेल गेल। मधुबनी बालिका गृह संचालिका आओर हुनक पति केर राजनैतिक सम्बन्धक जाँच अतिशीघ्र कय, कार्यवाई करबाक संगहि 22 टा मृत बालिका एवं 6 लापता बालिकाक मादे स्पष्टीकरण केँ माँग सेहो मिसू द्वारा कयल जेबाक खबैर भेटल अछि।
जनतब करा दी जे ई शवयात्रा मधुबनी स्टेशन चौक सँ आरम्भ भए थाना चौक होएत जिलाधिकारी कार्यालय धरि पहुँचल, जेतहि अहि घटनाक्रमक प्रति सरकारक उदासीनताकेँ खिलाफ खूब जामिकय बवाल काटल जेबाक खबैर आबि रहल अछि। मिसू सेनानी एतबा धरि नहि रुकलाह बल्कि वर्तमान मुख्यमंत्रीकेँ इस्तीफा देबाक माँग सेहो कयलक अछि।
मिसू मधुबनी प्रवक्ता श्री टुन्नू अपन संबोधनमे कहलनि जे उक्त घटनाक्रम सँ समूचा देशे नहि अपितु पूरा विश्वमे मिथिलाक नाम कलंकित भेल अछि। राजनैतिक चाटुकार लोकक संरक्षण हेतु राज्य सरकार अहि कांडक जाँचकेँ प्रभावित करबाक असफल चेष्टा कय रहल अछि। आगाँ अपन संबोधनमे श्री टुन्नू कहलनि जे मिथिला स्टूडेंट यूनियन सुप्रीमकोर्टक देखरेख सँ बिहारमे राष्ट्रपति शासन लगा अहि मामलाकेँ जाँच कराओल जेबाक माँग करैत अछि संगहि दोषी पर कार्यवाई हेतु स्पेशल टास्क फोर्सक गठन सेहो कयल जाय।
मिसू द्वारा आयोजित अहि शवयात्रामे मनोहर, आम कार्यकर्ता रणधीर झा, जिला उपाध्यक्ष विकास कुमार, जिला विश्विद्यालय प्रभारी मयंक विश्वास, निरंजन पासवान, रमेश पासवान, अमरजीत, दीपक बजाज, प्रशांत, विक्की सिंह सहित आरओ बहुतरास सेनानीक सहभागिता छल।